तेजस्वी कहलनि पार्टी सं नहि न्यायालय सं भेटल शहाबुद्दीन के बेल

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर: शहाबुद्दीन के जेल स बाहर अबितहि बिहार मे राजनीति तेज भय गेल। विपक्षक हमला पर जबाब दैत बिहार के उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव अहि रिहाई के न्यायपालिका के काज बतौलनि।

    ओ कहलनि जे, भाजपा अहि मामला के लय क जबरदस्ती तूल दय रहल अछि। यादव अहि मसला पर बीजेपी के नेता सुशील मोदी पर निशाना साधैत सवाल केलनि जे, भाजपा नेता के जे बेल भेटैत अछि से कि भाजपा दियाबैत अछि?

    तेजस्वी कहलनि जे अमित शाह सेहो बहुतो मामला मे कोर्ट स बेल पर छथि, त कि ओ बेल भाजपा प्रायोजित अछि। उपमुख्यमंत्री कहनि जे न्यायालय कोनो इंटरफेरेंस स काज नहि करैत अछि। ओ कहलनि जे, बीजेपी के लोक आ सुशील मोदी कोर्ट के फैसला पर बाजिकय न्यायलय के अवमानना कय रहल अछि।