जदयू विधायक के बाद आब कांग्रेस विधायक के धमकी

    0
    539

    पटना, मिथिला मिरर: जेडीयू नेता ददन पहलवान के पत्रक माध्यम स धमकी आ रंगदारी मांगय के घटनाक बाद कांग्रेस नेता आ विधायक विधायक मुन्ना तिवारी के फोन कय एक करोड़ रुपैयाक रंगदारी मांगबाक बात प्रकाश मे आयल अछि। जाहि सं राजनीतिक गलियारा मे एक बेर फेर नीतीश शासन पर प्रश्न उठय लागल अछि।

    सूत्रक अनुसार कांग्रेस के सदर विधायक संजय उर्फ मुन्ना तिवारी स अपराधी 1 करोड़क रंगदारी मंगलक अछि। संगहि नहि ढेला पर जान स मारबाक धमकी सेहो देल गेल अछि। अहि घटनाक जानकारी डुमरांव के विधायक जिला पुलिस अधिकारी के देलनि।