परिवारक संग 15 अगस्त कय आत्मदाह करबाक धमकी

    0
    394
    अहि परिवार आत्मदाह करबाक अहि ऐलान स पूरा प्रशासनिक महकमा मे हलचल मचि गेल अछि।
    आत्मदाह करबाक ऐलानक पाछू वैद्यनाथ राय कहलनि जे, अप्पन एकलौती बेटीक विवाहक खातिर तैयारी मे जुटल छलहुँ। मुदा हमर पड़ोसी कमलेश 21 मार्च क हमर घर मे पेट्रोल छिटी कय हम्मर आँखिक सोझाँ आगि लगा देलक। पीड़ित के आरोप अछि जे, कमलेश स हम्मर जमीनी विवाद बहुतो वर्ष स चलि रहल अछि, ताहि कारने कमलेश एहन काज केलक।

    वैद्यनाथ राय के अनुसार घर मे राखल विवाहक सब सामान जड़ि कय राख भय गेल। राय के आरोप अछि जे, इंसाफक लेल पुलिस अधिकारी के चक्कर लगबैत-लगबैत थाकि गेलहुँ मुदा किया हम्मर बात नहि सुनलक। न्यायालय गेलाक बाद मोहिउद्दीन नगर थाना मे मामला त दर्ज भय गेल मुदा साढ़े पांच महीना बीत गेलाक बादो कोनो तरहक कार्यवाही नहि भ सकल अछि।