कुर्सीक लेल आओर कतेक गर्तमे लऽ जेताह बिहारक शासन व्यवस्थाकें नीतीश?

    0
    379

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे अपराध हद सं बेसी बढ़ल जा रहल अछि। बिहारक जनता आब एक बेर फेर सं अहि बात पर सोचवाक लेल विवश अछि कि आखिर वर्तमान गठबंधनकें वोट दय हमरा सब नीक केलौह आ कि अधलाह। एककें बाद एक जाहि तरहक आपराधीक घटना सामने आबि रहल अछि ओकरा बाद आम जनताक निशाना पर सीधे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार छथि। सीवान मे भेल पत्रकारक हत्याक बाद जाहि तरहें राजदेव रंजन हत्यामे कथित रूप सं पूर्व बाहुबली सांसद आ राजदक राष्ट्रीय टीमक सदस्य मोहम्मद शहाबुद्दीनक नाम कथित रूप सं सामने आबि रहल अछि ओकरा बाद बहुत रास प्रश्न राज्य सरकार पर उठब स्वभाविक अछि। शहाबुद्दीन प्रकरणमे आखिर लालूक कठपुतली बनि कऽ कियैक रहि गेल छथि नीतीश?
    भागलपुर सं सीवान कियैक भेजल गेल शहाबुद्दीन कें?
    5 साल सं बेसीक सजा पाबि चुकल कुख्यात मुजरमिकें मंडल कारामे रखवाक कोन प्रयोजन जखन कि उक्त व्यक्तिकें पहिने सेंट्रल जेलमे रखवाक निर्णय लय लेल गेल छल। भागलपुर जेल सं सीवान जेलमे ऐलाक बाद शहाबुद्दीनक संग वीवीआईपी सत्कारक बात सामने आवय लागल छल, एतबे नहि जेलमे मंत्री तक शहाबुद्दीन सं भेंट कऽ चुकल छलैथ, जेकर फोटो राजदेव रंजन सार्वजनिक केने छलाह। आ ओहिकें किछु दिनक बाद हुनकर हत्या कय देल जाइत छन्हि।
    प्रशासनिक लापरवाही आ कि सत्ता संचालकक लग सं दवाब?
    जखन राजदेव हत्याकांडमे शहाबुद्दीनक शार्प शूटरकें नाम आबि रहल छल त एहनमे बिहार पुलिस कुख्यात शुटर कें ओहि घटनाक संदर्भमे कियैक नहि गिरफ्तारी केलक? अपने कें बता दी जे उक्त शूटर कें शराब पीवाक जुर्ममे गिरफ्तारी कैल गेल छल। शहाबुद्दीनक गाम सं गिरफ्तार एकटा अन्य शूटर कें आखिर दू दिनक बाद कियैक छोड़ि देल गेल? दोसर राज्यमे शराबबंदी पर पाठ पढ़ौनिहार आ कथित शुसानक दंभ भरनिहार नीतीश कुमार एखन धरि बुलंद अवाजमे शहाबुद्दीनक प्रकरण पर कियैक नहि अपन पक्ष रखलनि जखन कि नरेन्द्र मोदीक विरूद्ध बजवाक बेरमे हुनकर अवाज बिना लॉडस्पीकरक सेहो बुलंद रहैत छन्हि।
    सीवान जेल सं भागलपुर तक स्कॉरपियो मे कियैक लय जाएल गेल?
    अहि घटनाक बाद जखन सीवान जेलमे छापा मारल गेल ओहिकें बाद सच सार्वजनिक भेलाक बाद बिहार सरकार ओ प्रशासन लग मजबूरी छल जे ओ शहाबुद्दीनकें सीवान जिला कारा सं भागलपुर सेंट्रल जेलमे वापस भेजैय। अहिक्रममे शहाबुद्दीनकें एकटा आम कैदी जेना कैदी वैनमे नहि लऽ जा हुनका स्कॉरपियो’क काफिलामे लय जाएल गेल। काफिला कम सं कम 15-20 गाड़ीक छल जाहिमे शहाबुद्दीनक गाड़ीमे नील रंगक बत्ती सेहो लागल छलैक। एतबे नहि सीवन सं भागलपुर जेवामे करीब 6-7 घंटाक समय लागैत अछि मुदा शहाबुद्दीन अहि दूरीकें 12 घंटा सं बेसी समयमे तय केलनि। अहिकें पाछा इ कथित रूप सं इ कहल जा रहल अछि जे शहाबुद्दीन मुजफ्फरपुरमे बहुत रास नेता लोकनि सं भेंटघांट कैलथि आ ओहिठाम पार्टीक दौर सेहो चलल।
    भागलपुर जेलमे सुरक्षाक चाक चौबंद व्यवस्था वास्तविक आ कि देखावटी?
    मीडियामे एहन खबरि आबि रहल अछि जे शहाबुद्दीन कें भागलपुर सेंट्रल जेलमे बहुत बेसी सुरक्षा व्यवस्थाक बीच राखल गेल अछि। जेल प्रबंधन जेलक विभिन्न इलाकामे करीब 33 गोट सीसीटीवी लगवा रहल अछि जाहि सं शहाबुद्दीनक हर गतिविधि पर नजैर राखल जा सकै। संगहि इहो दाबी कैल जा रहल अछि जे शहाबुद्दीनकें कोनो तरहक वीवीआईपी ट्रीटमेंट नहि देल जाएत। अहि दाबीमे कतेक सत्यता छै ओ त समय बताओत।
    आब अहिठाम एकटा प्रश्न उठैत अछि जे आखिर नीतीश कुमार लग कोन एहन मजबूरी आबि गेलनि जे ओ शहाबुद्दीनक प्रकरण पर लालू प्रसाद यादवक हर इशारा पर नचवाक लेल विवश छथि। एक दिस बिहारमे बढ़ैत अपराध आ दोसर दिस नीतीश कुमारकें प्रधानमंत्री देखवाक मुंगेरी लाल स्वप्न पता नहि अबै वला दिनमे बिहारमे कतय चल जाएत से कहब मुश्किल अछि। मुदा एकटा बात त साफ अहि जे पाटलिपुत्रक रिमोट अपना हाथमे लय लालूकें कठपुतली जेना नचेवामे सफल भय गेल छथि आ इ नाच बिहारमे एखन बहुत दिन तक देखवामे भेटत।