मिथिला मिरर-स्नेहा झाः बिहारक चर्चित नौकरीक बदला जमीनक मामला एक बेर फेर सँ चर्चा मे अछि। एहि प्रकरण मे सीबीआइ द्वारा दाखिल चार्जशीट पर विशेष अदालत मे 4 दिसंबर कऽ सुनवाइ भेल छल, कोर्ट एहि मामला मे लालू प्रसाद यादव, हुनकर पत्नी राबड़ी देवी बेटा तेजस्वी यादव सहित अन्य आरोपी सभक खिलाफ आरोप तय करबाक आदेश केँ टालि देने छल। सीबीआइक आरोपक अनुसार, पूर्व रेलमंत्रीक कार्यकालक दौरान बहुतो अभ्यर्थी सँ सरकारी नौकरीक बदला मे हुनका सँ परिजनक नाम पर जमीन लिखाओल गेल छल, जाहि जमीन अभ्यर्थी सँ लिखेबाक बाद होइत अछि से जमीन बजारक मूल्य सँ काफी कम दर पर कीनल गेल, जाहि कारण पूरा मामला भ्रष्टाचार आ अनियमितता सँ जुड़ल मानल जाइत अछि। एहि मामला मे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद यादवक परिवार केँ राहत भेटल छल। दिल्लीक राउज एवेन्यू स्थित विशेष न्यायाधीशक अदालत द्वारा अहि मामलाक सुनवाइ केँ दस दिसंबर तक स्थगित कयल गेल छल। सुनवाइक दौरान अदालत सीबीआई द्वारा प्रस्तुत साक्ष्य, जमीन हस्तांतरणक दस्तावेज, नियुक्ति पत्र, बैंक लेन-देन आ संबंधित गवाहक बयान पर विस्तृत रूप सँ विचार कऽ रहल अछि।
अभियोजन पक्ष कहलक जे एहि मामला मे जमीनक कागज आ नौकरीक प्रक्रियाक बीच स्पष्ट संबंध स्थापित भेल अछि, जे
घूसखोरी आ शक्ति केँ दुरुपयोगक गंभीर उदाहरण कहल जा सकैत अछि। दोसर दिस बचाव पक्ष चार्जशीट केँ तकनीकी त्रुटि बताबैत अदालत सँ समय मंगलक आ तर्क देलक अछि जे जमीनक लेन-देन परिवारक निजी मामला छल एंव नियुक्तिक प्रक्रिया नियमानुसार कएल गेल छल। सीबीआईक जाँच एकतरफा अछि आ उचित सुनवाइक लेल सबूतक स्वतंत्र जाँच जरूरी अछि। सीबीआई सेहो एहि आरोप मे संलिप्त सभ अभियुक्तक विस्तृत स्टेटस रिपोर्ट पेश करबाक लेल अदालत सँ दू दिनक अतिरिक्त समय मंगने छल। अदालत दुनू पक्षक तथाकथित दलील सुनलाक बाद अगिला तारीख 10 दिसंबर निश्चित करैत कहलक जे मामला गंभीर प्रवृतिक अछि, एहि लेल दस्तावेजक बारीकी सँ अध्ययन अनिवार्य अछि। चार्जशीट पर अगिला सुनवाइ मे तय होयत कि मामला ट्रायल चरण मे प्रवेश करत कि विशेष जाँचक निर्देश देल जायत। एहि केस पर जनता, राजनीतिक दल आ कानूनी जगत सभ नजरि बनौने अछि, किएक तऽ नौकरीक बदला जमीनक आरोप बिहार आ राष्ट्रीय राजनीति दुनूक लेल संवेदनशील आ बहसक विषय बनल रहल अछि। अगिला सुनवाइ मे की फैसला होइत अछि, ओहि पर परिभाषित होयत की ई केस तेजी सँ आगू बढ़त या फेर नबका पेच फसत।





