चुनाव आयोग संवाददाता सम्मेलन आइ, राहुल द्वारा लगाओल गेल आरोप भऽ सकैछ मुद्दा

0
6

मिथिला मिरर, दिल्लीः निर्वाचन आयोग रविदिन दुपहर मे प्रेस कॉन्फ्रेंस कऽ विपक्षक वोट चोरीक आरोपक जवाब देत। बता दी कि बिहार मे मतदाता सूची केँ विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआइआर) केँ लऽ विपक्षी दल सभक लगातार विरोध चलि रहल अछि। हालांकि एखन धरि ई स्पष्ट नहि भऽ पाबि रहल अछि कि चुनाव अयोग कोन विषय पर संवाददाता सम्मेलन करय जा रहल अछि। कांग्रेस नेता लगातार बेर-बेर चुनाव आयोग पर निशाना साधि रहल छथि आ चुनाव अयोग पर मतदाता सूची आ इवीएम मशीन मे गड़बड़ीक आरोप सेहो लगा रहलाह अछि। राहुल गाँधी ई दाबा कऽ चुकल छथि जे महाराष्ट्र आ हरियाणा मे संपन्न भेल विधानसभा चुनाव मे वोट चोरी कयल गेल छल। हालांकि पहनहि चुनाव आयोग राहुल गाँधी द्वारा लगाओल गेल एहि आरोप केँ निराधार बता चुकल अछि आ राहुल गाँधी सँ लिखित शपथ पत्र पर ई बात रखबाक बात सेहो चुनाव आयोग द्वारा कयल गेल अछि। एहन मे जँ राहुल गाँधी लिखित मे शपथ पत्र पर एहि बातक दाबा करैत छथि आ ओहि मे सत्यता नहि पाओल जाइत अछि तखन ओ मानहानीक मामला बनि सकैत अछि।