बिजली नहि रहलाक कारण विद्युत कार्यालय पर उपभोक्ताक प्रदर्शन

    0
    496

    मधुबनी, मिथिला मिरर: लचर विद्युत व्यवस्थाकें लए खरीक गामक दर्जनो विद्युत उपभोक्ता बुधदिन स्थानीय विद्युत शाखा कार्यालय पर प्रदर्शन केलनि। विद्युत कर्मीके काज शिथिलताके कारण आक्रोशित उपभोक्ता विभागक विरुद्ध जमिकय नारेबाजी केलनि। उपभोक्ताक आरोप छल जे, मारुख गर्मी रहलाक बावजूद दिनमे बिजली कहियो नहि रहैत अछि।

    लोकक कहब छल जे, आंधी-वर्षामे जहन बिजली आपूर्ति बाधित होइत अछि त एक सप्ताह तक ओहि हांलमे छोड़ि देल जाइत अछि। बेर-बेर शिकायत केलाक बादो कर्मी सुधि लेबाक लेल नहि अबैत अछि। लगभग एक वर्ष सं उपभोक्ताकें बिजली विपत्र उपलब्ध नहि कराओल गेल अछि। लोकक कहब छल जे, एक बेरमे हजारो रुपैयाक बिजली बिल जमा करेनाई गरीब उपभोक्ताक लेल कठिन अछि।