प्रदर्शन’क दौरान जाप कार्यकर्ता पर लाठीचार्ज, पप्पू यादव गिरफ्तार

    0
    284

    पटना, मिथिला मिरर: मधेपुरा सं सांसद आ जन अधिकार पार्टी’क राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादवकें सोमदिन गिरफ्तार कए लेल गेल। पूर्व नियोजित प्रदर्शन आ विधानसभा घेरावक दौरान जाप पार्टीक समर्थक आ पुलिसक बीच झड़प भेल छल। जकरा बाद पुलिस समर्थककें दौड़ा-दौड़ा कय लाठीचार्ज केलक, अहि दौरान पप्पू यादव फरार भये गेल छलाह।

    घटनाकें बाद पुलिस पप्पू यादव समेत जाप पार्टीक समर्थक पर एफआईआर दर्ज केल्कज। गिरफ्तारीक लेल बहुतो जगह पर छापेमारी सेहो कएल गेल। पप्पू यादव स्वंकें निर्दोष बताबैत कहलनि जे, हमरा जान सं मारबाक कोशिश कएल जा रहल अछि। पप्पूकें गिरफ्तार करबाक लेल पटना पुलिस पप्पु’क आवास पर सेहो गेल छल, मुदा ओ वारंट नहि हेबाक हवाला दय गिरफ्तारी नहि देलनि।

    सांसद आ जाप अध्यक्ष पप्पू यादवकें गिरफ्तारीक हाई वोल्टेज ड्रामा मंदिरी स्थित सांसदकें आवास क्वालिटी काम्प्लेक्स पर घंटो धरि चलल। पटना पुलिसकें एएसपी रैंक सं लए कय डीएसपी आ तीन टा थानाक थानेदार दलबलक संग घंटो रुकल रहल।

    पुलिस पप्पू यादव’क गिरफ्तारी गांधी मैदान थानाकें एकटा पुरान मामलामे जारी वारंटक आधार पर केलक अछि। पहिने पप्पू कहलनि जे, बगैर वारंटक गिरफ्तारी नहि देब, ओ संसदक सत्रकें लेल दिल्ली जेबाक बात सेहो कहलनि, मुदा पुलिस नहि मानलक आ हुनका गिरफ्तार कए लेलक।