मधुबनी मे मोटरसाइकिल सहित 274 बोतल शराब बरामद

    0
    403

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक कलुआही थाना क्षेत्रक मलमल उत्तरी पंचायत मे नेपाल निर्मित शराब सहित एकटा मोटरसाइकिल पुलिस जब्त केलक अछि। थानाध्यक्ष आशुतोष कुमार झा के अनुसार बुधदिन गश्ती सं वापस आबय घड़ी मे सहायक अवर निरीक्षक उमेश चंद्र राय आ कोतवाल धर्मा यादव के मलमल राढ़ ब्रह्नस्थान स नरेला जाय वला सड़क कात लावारिस हाल मे ठाढ़ टीवीएस स्टार सिटी के देखि कय शक भेल। बिना नम्बर प्लेटक गाड़ी पर कार्टन आ प्लास्टिक बोरा लादल छल। तलाशी लेबा पर ओहि मे राखल नेपाल निर्मित 274 बोतल शराब बरामद भेल।

    गौरतलब अछि जे, अहि सं पूर्व सेहो अहि रास्ता मे बहुत बेर नेपाली शराब पुलिस पकड़ने अछि। सूत्रक अनुसार उमगांव स अहि रस्ते नेपाली शराब अरेर एवं कलुआही थाना क्षेत्र मे सप्लाई कायल जाइत अछि।