दरभंगा मे खुजल 265 गोट धान क्रय केंद्र

    0
    278

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जिला मे धानक खरीददारीक लय सोमदिन वीडियो कांफ्रेंसिंग के माध्यम सं समीक्षात्मक बैसक भेल। बैसक के अध्यक्षता प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह केलनि। कांफ्रेंस हॉल मे डीएम कहलनि जे, जिला मे 265 क्रय केंद्र खुजि चुकल अछि। अहि मे अलीनगर प्रखंडक बहुत रास चयनित किसान सं धानक खरीद भेल अछि। 10 राइस मिलक भौतिक सत्यापन भय चुकल अछि।

    ओ कहलनि जे, शेष मिलक सत्यापन कार्य चलि रहल अछि। बैसक मे प्रधान सचिव कहलनि जे, बटाइदार सं धानक खरीद कायल जायत। जे किसान निबंधन सं वंचित छथि, हुनका जागरुकता अनबाक लेल प्रचार प्रसार मे तेजी अनबाक निर्देश देल गेल अछि। बैसक मे डीएम डा. चंद्रशेखर सिंह, डीडीसी विवेकानंद झा, डीएसओ रामबाबू कुमार, एसएसफी प्रबंधक प्रमोद कुमार पाठक, डीसीओ अरुण कुमार, सहकारिता बैंक प्रबंधक धनंजय कुमार सहित जिला के बहुतो संबंधित पदाधिकारी मौजूद छलाह।