19 सितंबर कऽ राहुल कें चंपारण रैली सं लालू-नीतीश रहता नदारद

    0
    604

    दिल्ली-मिथिला मिररः कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधीक आगामी 19 सितंबर क चंपारण मे होइवला रैली सं लालू-नीतीश दुनू गायब रहता। आब जेडीयूक दिस सं प्रतिनिधिक रूप मे पार्टीक महासचिव ओ राज्य सभा सांसद केसी त्यागी राहुल गांधीक संग मंच साझा करताह। ओमहर 19 क होइवला रैलीक लेल कांग्रेसक केंद्रीय एवं राजकीय स्तरक समस्त नेतागण रैली कें सफल बनेवा मे जुटि गेल छथि।
    ओमहर अनुमान इहो लगओल जा रहल अछि कि 19 क राहुल रैलीक बाद दिल्ली मे कांग्रेस स्क्रिनिंग कमेटिक बैसार हैत जेकर अध्यक्षता मल्लिकार्जुन खड्गे करता। बैसार मे बिहार विधानसभा सीट पर संभावित उम्मीदवारक सूची कें अंतिम रूप देवाक दिस कार्य कैल जायत। एकरा बाद खड्गे अपन रिपोर्ट कांग्रेस उपाध्यक्ष कें सौंप देताह जाहिकें बाद 21 सितंबर कय कांग्रेसक पहिल सूचि आबि सकैत अछि।