इंजीनियरक लॉकर सं भेटल 1.38 करोड़ रुपैयाक संग दू टा सोनाक ईंटा

    0
    282

    पटना, मिथिला मिरर: आय स अधिक संपत्ति मामला मे फंसल डिस्ट्रिक्ट अर्बन डेवलपमेंट अथॉरिटी’क असिस्टेंट इंजीनियर कामेश्वर प्रसाद सिंह’क बैंक लॉकर स एक करोड़ 38 लाख रुपैया बरामद कायल गेल। अहि के अलावा सोनाक जेवर आ एक-एक किलो के दू टा सोनाक ईंटा निकालल गेल।

    स्पेशल विजिलेंस यूनिट 22 अगस्त क पटना’क एकटा निजी बैंक’क चारि टा लॉकर जहन खोलल गेल त सब दांग रहि गेल। कामेश्वर सिंह’क पत्नी मंजू सिंह’क लॉकर स 43.25 लाख रुपैया आ 32.62 लाख रुपैयाक जेवर भेटल। सिंह के बेटा अभिषेक आनंद’क लॉकर स 16.11 लाख रुपैया आ 6.22 लाख के सोना भेटल। अभिषेक आईआरएस अधिकारी छथि, आ एखन मुंबई मे सेंट्रल एक्साइज मे तैनात छथि।

    बेटी एकता प्रियदर्शिनी के लॉकर स 78.86 लाख रुपैयाक संग एक-एक किलो के दू टा सोनाक ईंटा बरामद कायल गेल। ईंटा पर यूएई के मोहर लागल अछि। अहि के अलावा बहु बहू निधि सिंह’क लॉकर स 33.65 लाख रुपैयाक जेवर बरामद कायल गेल अछि। स्पेशल विजिलेंस यूनिट पूरा मामलाक जांच कय रहल अछि।