लोजपाक पहिल सूची जारी, एक बेर फेर देखायल पारिवारिक रंग

    0
    607

    दिल्ली-मिथिला मिररः एनडीए कें दोसर सब सं पैघ घटक दल लोक जनशक्ति पार्टी अर्थात एलजेपी शुक्रदिन 12 गोट उम्मीदवारक अपन पहिल सूची जारी केलक। संसदीय समितिक अध्यक्ष चिराग पासवान दिल्ली मे संवाददाता सम्मेलन कय 12 गोट उम्मीदवारक नामक घोषणा कैलनि। चिराग कहला जे 29 गोट सीट पर सहमति बनि गेल अछि आ बांकिक 11 गोट सीट पर संसदीय समितिक निर्णयक बाद सेहो फैसला कैल जायत। 
    लोक जनशक्ति पार्टी द्वारा जारी कैल गेल पहिल सूची मे एक बेर फेर सं परिवारवादक स्वरूप लोक जनशक्ति पार्टी पर भारी पड़ल। 12 गोट सीट मे तीन गोट सीट पासवानक अपन परिवार सं देल गेल अछि। लोजपाक प्रदेश अध्यक्ष आओर रामविलास पासवानक छोट भाई पशुपति कुमार पारस, पासवानक मांझील भाई ओ समस्तीपुर सं सांसद रामचंद्र पासवानक पुत्र प्रिंस पासवान ओ पासवानक संबंधित सरिता पासवान कें अलग-अलग विधानसभा सीट सं उम्मीदवार बनओल गेल अछि।
    ओमहर खगडि़या सं पार्टीक सांसद महबूब अली कैसर’क बेटा कें सहरसाक सिमरी बख्तियार पुर सं उम्मीदवार बनाओल गेल अछि। पार्टीक दू गोट सांसद रामा किशोर सिंह आओर सूरज भान सिंहक पत्नी अपन नाराजगी सार्वजनिक कय चुकल छैथ। हालांकि वीणा सिंह बाद मे कहली जे हम नाराज नहि छी। 
    विधानसभा सीट ओ उम्मीदवारक नाम
    कल्याणपुर (सुरक्षित)- प्रिंसराज
    अलौली (सुरक्षित)- पशुपति कुमार पारस
    सिकंदरा (सुरक्षित)- सुभाष चंद्र बोस
    विभूतिपुर- रमेश सिंह
    फतुहा- सतेंद्र सिंह
    गोविंदगंज- राजू तिवारी
    नाथनगर- अमर कुमार कुशवाहा
    चोरिया बरियारपुर- अनिल चैघरी
    त्रिवेणीगंज- विजय पासवान
    जमालपुर- इंजीनियर हिमांशु कुमार
    सोनबर्षा (सुरक्षित) सरिता पासवान
    सिमरी बख्तियारपुर- मो. युसुफ खान