राजगीर में बनत नव क्रिकेट स्टेडियम

    0
    459

    पटना,दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः बिहारक नालंदा जि़लाक राजगीर में अंतरराष्ट्रीय स्तरक नव क्रिकेट मैदान बनय जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कार्यालयक एकटा वरिष्ठ अधिकारी अहि बातक पुष्टि केलैनि। अपने के बता दी कि नलांदा बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक कर्मस्थल अछि। अधिकारीक मानी त ‘‘राज्य मंत्रिमंडल बिहार में अंतरराष्ट्रीय स्तरक एक गोट क्रिकेट स्टेडियम स्थापित करवाक प्रस्ताव कें मंजूरी द देलक। अधिकारीक कहब छनि जे राज्य सरकार अगिला बरख भूमि अधिग्रहणक प्रक्रिया शुरू कय देत।
    इ जानकारी दैत वरीय अधिकारी अहि बात सं इनकार कैलनि जे अहि स्टेडियमक निमार्ण में कुल लागत कतेक आयल। अधिकारीक कहब छलनि जे एखन अहि बातक आंकड़ा नहि लागओल गेल अछि जे स्टेडियमक निमार्ण में कुल कतेक लागत लागैयवला अछि। नव स्टेडियम राजधानी पटना सं 100 किमी. दूर बौद्ध धार्मिक स्थल आ पर्यटन स्थल राजगीर में बनाओल जायत।
    बेर-बेर एहन प्रश्न उठैत रहल अछि कि बिहारक विकासक केंद्र बिंदु आखिरकार पटना, गया आ नलांदा धरि कियैक सीमटि कय रहि जाईत अछि। मिथिला मिरर अहि संदर्भ में जखन बिहार कांग्रेसक मुख्य प्रवक्ता प्रेम चंद्र मिश्र जी सं हुनक विचार जानह चाहल त हुनक कहब छनि ‘‘नलांदा मुख्यमंत्रीक क्षेत्र छनि। जहिया मिथिला सं एमपी. एमएलए आ मुख्यमंत्री बनतथि तहिया उम्हरो ओहिना विकास होयत‘‘। प्रेम चंद्र मिश्रक अहि जवाबक कि अभिप्राय से हम अपने लोकनि पर छोइर रहल छी। अहि संदर्भ में मिथिला मिरर और अपडेट लय नव रूप सं अहां सबहक सोझा आयत।