मैलोरंग द्वारा कायल गेल राजकमल चौधरीक कहानी के हिन्दी में मंचन

    0
    459

    दिल्ली,मिथिला मिरर-सोनू मिश्राः राजकमल चौधरी केर कहानी पर केन्द्रित "मैथिल नारी: चार रंग" के मंचन आई मैलोरंग के द्वारा दिल्ली स्थित गाँधी हिन्दुस्तानी साहित्य सभाकें सभागार में कायल गेल। स्व. राजकमल चौधरी केर लिखल चारि कहानी किछु अनलिखल पत्र, ललका पाग, कोंपल आ वैष्णव अहि चारू कहानी केर केंद्रबिंदु में मिथिलाक नारी अछि तकर सुन्दर मंचन कायल गेल। सुपरिचित रंग निर्देशक देवेन्द्र राज अंकुर जी द्वारा अहि कहानी के मंचनक परिकल्पना अदभुत छल त मैलोरंग के रंगकर्मी भाई मुकेश झा, अनिल मिश्रा, अमरजी राय, सोनिया झा, सत्या मिश्रा, संतोष कुमार, प्रवीण कुमार आदि कथाक एकएकटा पात्रकें विभिन्न रूप में मुदा पूरा जीवंत कय देला।

    राजकमल चौधरी द्वारा लिखल कहानी कें हिन्दी में मंचन कय रंग निर्देशक देवेन्द्र राज अंकुर मैथिल कहानीकार कें राष्ट्रीय स्तर पर अनवा कें सेहो संकेत देलनि अहि। मैलोरंग देशक राजधानी दिल्ली में रंगमंच कें मादे मैथिली भाषा कें उत्थान आ विकास कें लेल सक्रिय अछि। । मैथिली कथाकें सुन्दर मंचन के परिकल्पना मैलोरंग के निर्देशक भाई प्रकाश झा के निर्देशन में ललका पाग हम सब पहिनहु देखने छलौ लेकिन मैलोरंग के आजुक प्रस्तुति "मैथिल नारी: चार रंग" सर्वश्रेष्ट…….. ओना आजुक प्रस्तुति हिन्दी में छल लेकिन जल्दिये मैलोरंग एकर मंचन मैथिली सेहो में करत.