मैथिली सिनेमाक सार्थक डेग: ललका पाग

    0
    515

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः मैथिली सिनेमाक पचासम साल पूर्ण भऽ चुकल अछि। एहि अंतराल मे छोट पैघ अनेको प्रयास भेल मिथिलाक भाषिक सिनेमा लेल, मुदा एक-आध टा कें छोडि़ कोनो फिल्म कें व्यावसायिक वा आन तरहक सफलता नहि भेटि सकलैक। सुखद अछि जे मैथिली- हिन्दीक प्रसिद्ध कथाकार राजकमल चैधरीक चर्चित कथा ललका पाग पर आधारित मैथिली फीचर फिल्मक निर्माण भेल अछि आ उक्त फिल्म ललका पाग विगत एक सप्ताह सं पटनाक प्रसिद्ध मल्टीप्लेक्स सिनेपाॅलिस मे अपन सार्थक उपस्थिति दर्ज करा रहल अछि जे निश्चितरूपे मैथिली भाषाक लेल गर्वक विषय थिक। 
    सेक्रेड फिग एन्टरटेनमेंट लेल एहि फिल्मक निर्माण गुजराती युवा रत्नेश एन शाह छथि, सार्थकताक संग निर्देशकीय जिम्मेवारिक निर्वहन केलनि अछि युवा निर्देशक प्रशांत नागेन्द्र। उक्त फिल्म मिथिलाक नारी संवेदना पर केंद्रित अछि, जकर केंद्रिय भूमिका मे स्वेता वर्मा, मीना गौतम आ रोशन राज छथि। मैथिली रंगमंचक मांजल रंगकर्मी प्रेमलता मिश्र प्रेम, उमाकांत आदिक उपस्थिति सशक्त अछि, तऽ प्रसिद्ध रचनाकार हृदय नारायण झा आ कुणालक गीत कें सीताराम सिंहक संगीत मे चर्चित गायक उदित नारायण, नंदिता चक्रवर्ती आदिक कर्णप्रिय स्वर देलनि अछि।
    शीध्र इ फिल्म भारतीय आ नेपालीय मिथिला मे प्रर्दशित हेवाक जानकारी भेटल अछि, ज्ञात हो जे किछु दिन पूर्व दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सव मे उक्त फिल्म के  पुरस्कार भेटल अछि। फिल्म समीक्षक किसलय कृष्ण कहलनि जे ई फिल्म मिथिला मे समानान्तर फिल्मक सार्थक आरंभ अछि, एकर निर्देशक प्रशांत सं मैथिली फिल्म कें एकटा आस जगलैक अछि। आशा कयल जा सकैत अछि जे ललका पाग बाजारक व्यावसायिकताक संग राष्ट्रीय-अन्तरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल सभमे मिथिलाक परचम लहराओत। उक्त फिल्मक कर्णप्रिय संगीत भारतक प्रसिद्ध म्यूजिक कंपनी सा रे गा मा पर आयल अछि जे एहि फिल्मक लेल गौरवक गप थीक। फिल्मक गीत सभ खूब चलती भऽ रहल अछि आ तहिना राजधानी पटना मे मैथिली भाषी आ गैर-मैथिली भाषीक बीच लोकप्रिय भऽ चुकल अछि।