मिथिला मिरर’क मोबाइल एप्प, डाउनलोड करवाक लेल न्यूज देखी

    0
    405

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली भाषाक एक मात्र राजनीतिक समाचार पोर्टल ‘मिथिला मिरर’ आब अपने लोकनिक सुविधाक लेल एंड्राॅइड मोबाइल एप्प लय अपने लोकनिक सोंझा आयल अछि। बिहार विधानसभा चुनाव कें देखैत मिथिला मिररक टीम अहि निर्णय पर पहुंचल जे मैथिली भाषाक वैकल्पिक मीडियाक रूप मे घर-घर तक मिथिला मिरर पहुंचय आ आम मैथिलजन मिथिलाक समस्त राजनीतिक खबैर सं परिचित होइत रहैथ।
    पैछला दू साल सं अहां सबहक मांग छल जे मिथिला मिरर कें मोबाइल पर सहज रूप सं पढ़वा मे असुविधा होइत अछि आ ओहि दिशा मे समुचित प्रयास हेवाक चाही। ओहि बात कें ध्यान मे राखैत मिथिला मिरर परिक्षण कें रूप मे एकटा कोड अपने लोकनि कें उपल्बध करा रहल अछि आ अपने सब ओहि लिंक पर क्लिक कय मिथिला मिररक एंड्राॅइड एप्प कें डाॅउनलोड कय सकैत छी।
    एखन जा धरि साइटक परिक्षण चलि रहल अछि ता धैर अपने सबकें कोड सं एप्प डाॅउनलोड करय पड़त आ किछु दिनक बाद एकरा गूगल प्लेस्टोर सं सेहो डाउनलोड कैल जा सकैत अछि जेकर विधिवत लाॅंचिंग कैल जायत। जखन अपने लोकनि अहि एप्प कें डाउनलोड करब त ओ लिंक अपने सब कें मिथिला मिररक फेसबुक पेज पर लय जायत आ ओहि पेज परहक न्यूज कें जौं अपने सब क्लिक करब त ओ बिना कोनो परेशानी कें सीधा मिथिला मिरर कें वेबसाइट तक लय जायत जाहि ठाम अपने सब अपन सुविधा हिसाबे फाॅउंट घटा-बढ़ा कय समाचार मोबाइल मे स्पष्ट पढि़ सकैत छी।
    जौं अहां सब अहिना सहयोग दैत रहलौ त निश्चित रूपहि बिहार चुनाव कें शुरू होइ सं पहिने गूगल प्लेस्टोर सं अपने सब एप्प डाउंनलोड क सकब। अपने लोकनिक लेल इ लिंक द रहल छी http://apps.appypie.com/media/appfile/3376d05d91eb.apk अहि लिंक कें बेसी सं बेसी संख्या मे डाउंनलोड कय अपन भाषा मे अपना देश प्रदेशक राजनीतिक ओ समसामयिक खबैर कें देखैत रहु आ सब खबैर सं अपडेट होइत रहु।