माटि-मंगलक संग शुरू भेल शारदीय दुर्गा पूजाक चहल-पहल

    0
    513

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मिथिला क्षेत्रक किछु गाम मे शारदीय दुर्गा पूजाक शुरूआत माटि मंगल सं होइत आबि रहल अछि। हालांकि दुर्गा पूजा त मिथिलाक विभिन्न गाम मे होइत छैक मुदा माटि मंगलक जे परंपरा रहल अछि ओ बहुत कम ठामक दुर्गा पूजा मे होइत छैक। मुख्यतः चौठचंद्रक बादक जे पहिल मंगल आवैत अछि ओहि दिन मां भगवतीक निमित माटि कोरल जाइत अछि आ ओहि माटि सं माताक प्रतिमा बनेवाक परंपरा मिथिलाक किछु गाम मे होइत आबि रहलैक अछि।
    मिथिलाक किछु गाममे संपन्न होइ वला अहि मंगलमय पूजन कार्यक साक्षी मधुबनीक जिलाक अंधराठाढ़ी प्रखंडक मैलाम ग्रामवासी बनैत रहला अछि। मंगलदिन संपूर्ण मैलामवासी बुढ़, बच्चा, युवा ओ स्त्रीगण लोकनि एक संग मैयाक माटि कोरवाक लेल उत्साह सं पोखैर तक गेलाह आ ओहिठाम सं माटि कोरि पांच गोट सधवा स्त्रीगण मैयाक निमिते माटि अनलनि। अहि मंगलमय अवसर पर समस्त ग्रामवासी मे जबरदस्त उत्साह देखल गेल।
    भोर सं दुर्गा स्थानमे गाजा, बाजाक संग मंगलयगाण ओ मैयाक स्तुतिक वाचन शुरू भय गेल छल। बाद मे समस्त ग्रामीण मैयाक जयकार दैत पोखैर तक जा माटि आनि फेर दुर्गा स्थान मे विधिवत पूजा पाठ कय माटि कें मंदिर मे राखि प्रसाद लय अपना-अपना घर गेलाह।