मधुबनी जिलाक समस्त विधायकक आपराधिक छवी मिथिला मिरर पर

    0
    472

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः मिथिला मिररक विशेष चुनावी कार्यक्रम मे आई मधुबनी जिलाक समस्त विधायकक आपराधिक छवि पर मिथिला मिरर प्रकाश दय रहल अछि। इ आंकड़ा विधानसभा चुनाव 2010 मे उम्मीदवार द्वारा स्वयं चुनाव आयोग लग देल गेल शपथपत्रक आधार पर अछि। जौं अहि खबैर सं किनको कोनो प्रकारक संदेह हो त मिथिला मिरर ओहि शपथपत्रक काॅपी उपल्बध कराओत।
    खजौली- अरूण शंकर प्रसादः भारतीय दंड संहिता मे हिनका पर कोनो केस दर्ज नहि छन्हि मुदा बिहार संपत्ति विरूपन अधिनियमक 3, जीएच एक्ट 177 आओर आरपी एक्ट 78, 77 कें तहत मुकदमा दर्ज कैल गेल छन्हि। 
    झंझारपुर-नीतीश मिश्रः हिनका पर कोनो आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    बेनीपट्टी-विनोद नारायण झाः विधायक विनोद नारायण झा पर कोनो आपराधिक मोकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    मधुबनी-रामदेव महतोः हिनका पर भारतीय दंड संहिता ‘आईपीसी’क धारा 120बी, 147, 188, 323, 341, 353, 379, 406, 420 आओर 447 कें तहत मुकदमा दर्ज छन्हि दोसर दिस एलेक्शन कमीशन कें इसी एक्ट 7 कें तहत सेहो मुकदमा दर्ज कैल गेल छन्हि।
    फुलपरास-गुलजार देवीः हिनका पर कोनो तरहक न्यायाकि मामला नहि दर्ज छन्हि।
    राजनगर-रामअवतार पासवानः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    लौकहा-सतीश कुमार साहः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    बाबूबरही-उमाकांत यादवः हिनका पर भारतीय दंड संहिता तहत 171सी, 171जी आ 188 त दोसर दिस आरपी एक्ट कें तहत 123 आ 136(2) कें तहत मुकदमा दर्ज छन्हि।
    बिस्फी-डाॅ. फैयाज़ अहमदः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि। 
    हरलाखी-शालीग्राम यादवः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।