बीजेपीक टिकट पर लड़ैैवला मांझीक 5 गोट उम्मीदवारक नाम घोषित

    0
    455

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः भारतीय जनता पार्टी चुनाव चिन्ह पर लड़ै वला जीतन राम मांझीक पांच गोट उम्मीदवारक नामक घोषणा कऽ देल गेल अछि। इ उम्मीदवर छथि बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रक छोट पुत्र आ बिहारक पूर्व मंत्री नीतीश मिश्र, हम नेता आ पूर्व मंत्री नरेंद्र सिंहक दुनू बेटा अजय प्रताप ओ सुमित प्रताप, राजू सिंह ओ पूर्व मंत्री ओ भोजपुरीक मशहूर गीतकार विनय बिहारीक नाम शामिल अछि। 
    अपने कें बता दी जे अहि चुनाव मे एडीएक घटक दल हम कें 20 गोट सीट देल गेल छल आ बांकि पांच गोट उम्मीदवार कें बीजेपी कें चुनाव चिन्ह पर उतारवाक बात भेल छल जाहि सं रामविलास पासवान नाराज भय गेल छलाह। एतबे नहि एलजेपीक इहो नाराजगी छल जे नरेंद्र सिंहक दुनू बेटा कें सेहो हम टिकट नहि दैय। मुदा बात मे अमित शाहक मध्यस्ताक बाद ओ मानि गेलाह।