पटना मे स्वाभिमान रैली मे एक मंच पर लालू, नीतीश आओर सोनिया

    0
    505

    पटना,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः बिहार विधानसभा कें लय राजनीतिक घमासान शुरू भय चुकल अछि। रविदिन पटनाक गांधी मैदान मे राष्ट्रीय जनता दल, जनता दल युनाइटेड आओर कांग्रेस संयुक्त रूप सं स्वाभिमान रैली करय जा रहल अछि। 30 अगस्त 2015क होइवला रैली मे एक मंच पर लालू प्रसाद यादव, नीतीश कुमार आओर सोनिया गांधीक संग रहवाक बात कहल जा रहल अछि। हालांकि खबैर इहो छल जे कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी से सेहो पटना मे मंच साझा करताह मुदा हुनक पटना जायब तय नहि अछि।
    दोसर दिस समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष मुलायम सिंह यादवक संभावित पटना दौरा रद्द क देल गेल अछि आ एहन तरहक खबैर आबि रहल अछि जे मुलायम पटनाक रैली मे भाग नहि लेताह। ओम्हर पटना मे शनिदिन लालू प्रसाद यादव ट्वीट कय अपन पार्टी कार्यकर्ता कें कहलनि जे ओ सब अहि कार्यक्रम में नाच गान सं बचैत आ वाध्य यंत्रक सेहो प्रयोग नहि कें बराबर कैल जाय। संगहि लालू प्रयाद यादव केंद्र नरेंद्र मोदी सरकार कें ढकोसला बाज सरकार करार दैत कहला जे इ सरकार सिर्फ लोक कें ठकवाक कार्य लेलक अछि।
    बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह पर निशाना साधैत लालू कहला जे अहि सरकार मे गरीब पेट पिचैक गेल छैक मुदा बीजेप अध्यक्षक पेट फुलल जा रहल अछि। संगहि लालू यादव अपना अंदाज मे कहला जे अहि चुनाव मे बिहार मे बीजेपी कें धोबिया पछार मारि क भगायब। ओम्हर खबैर इहो आबि रहल अछि जे रैली मे डीएनए सैंपल देवाक लेल करीब 90 गोट स्टाॅल सेहो लगाओल जायत। अपनें कें बता दी कि मुजफ्फरपुरक एकटा कार्यक्रम मे प्रधानमंत्री मोदी नीतीश कुमारक डीएनए पर सवाल उठेने छलाह ओहिकें बाद सं नीतीश कुमार आ हुनकर समर्थक प्रधानमंत्री कें अहि बयान पर जबरदस्त विरोध कय रहला अछि।