न्यूज 24 ओ टुडेज चाणक्य’क बिहार विधानसभा पर ताजा सर्वे

    0
    517

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव सं 28 दिन पहिने 14 सितंबर अर्थात रविदिन दिल्ली समाचार चैनल न्यूज 24 ओ देशक सब सं सटीक चुनावी सर्वे करैवला संस्था मे सं एक टुडेज चाणक्य’क ताजा सर्वे मे बिहारक जनता सं सीधा सवाल कैल गेल कि आखिर अहि बेर बिहार मे केकर सरकार हैत ?
    सर्वे मे जनता सं पुछल गेल विभिन्न सवाल
    1. प्हिल सवाल मे पुछल गेल जे अहां लोकनि कोन हिसाब सं वोट करब ?
    जवाब मे 46 फिसद व्यक्ति कहलनि जे ओ पाॅलिटिकल पार्टी ओ कैंडिडेट कें देखैत ओ बिहार मे विधायकक चुनाव करताह त दोसर दिस 40 प्रतिशत लोकक मानब छल जे ओ विकास आ कानून व्यवस्थाक मुद्दा पर वोट करताह। 7 फिसद एहनो व्यक्ति छलाह जे अन्य मुद्दा पर अपन वोट देवाक बाद कहला। 
    2. दोसर सवाल छल जे अगिला चुनाव मे जातिगत वोट कतेक ध्रुविकरण करत ?
    अहिकें जवाब मे 33 प्रतिशत लोक कहला जे बिहार मे अहु बेरक चुनाव मे कास्ट फैक्टर अर्थात जाति आधार पर वोट पड़त त दोसर दिस 57 प्रतिशत लोक कहला जे समय बदलि गेलैक आ आब जाति-पाति पर वोट नहि पड़ैत छैक। 
    3. मुस्लिम-यादव समीकरण, बिहार मे 14.7-14.3 फिसद माय वोटर अर्थात 29 फिसदक असर ?
    अहिकें जवाब सेहो हैरान करय वला छल। 36 फिसदी वोटर कहला जे मुस्लिम यादव समीकरण काज करत त दोसर दिस 52 फिसदी व्यक्ति अहि बात कें मानवा सं इंकार कय देलाह। 
    4. कि महादलित कार्ड अहि बेर वोट कें ध्रुविकरण कय सकैत अछि। ?
    23 फिसदी व्यक्ति हां कहला जखन कि 66 फिसदी व्यक्ति नहि मे अपन सहमति देलिन। 
    5. लालू-नीतीश कें सामने एलाह सं नरेंद्र मोदीक चेहरा बढ़ल ?
    73 प्रतिशत लोकक मानब छल जे विधानसभा चुनाव मे प्रधानमंत्री मोदीक चेहरा प्रमुख भूमिका निभाओत त 20 प्रतिशत लोक कहला नहि।
    6. नरेंद्र मोदीक तुलना मे नीतीश कुमारक छवि कतेक प्रभावित करत ?
    अहि मे 67 प्रतिशत लोक कहला जे हां नीतीश कुमार बिहार जनता पर अपन छाप छोड़ता मुदा 23 प्रतिशत लोक नहि मे जवाब देलनि। 
    7. मोदी कें लोकप्रियता पर जनता सं सवाल ?
    37 फिसदी व्यक्ति कहला बहुत नीक, 28 फिसद बढि़या, 16 प्रतिशत एवरेज आ 9 प्रतिशत खारिज केलाह। 
    8. लोकप्रियताक पैमाना पर नीतीश कुमार 
    31 फिसद बहुत लोकप्रिय, 27 फिसद बढि़या, 20 फिसद एवरेज आ 13 प्रतिशत खराब।