जाले विधानसभाः बीजेपी कें गढ़ मे कैडरक जीत ओ कि चेहराक ?

    0
    514
    दिल्ली-मिथिला मिररः दरभंगाक जाले विधानसभा सीट पर अहि बेर जाहि तरहक मुकाबला होमय जा रहल अछि ओहिकें देखैत इ बात प्रायः जाले विधानसभाक हर एक मतदाताक मोन मे हेतन्हि कि अहिठाम सं पार्टीक जीत हैत कि कोनो व्यक्ति चेहराकें। अपने कें बता दी कि जाले विधानसभा एकटा एहन सीट रहल अछि जेकरा बीजेपीक गढ़ मानल जाइत रहलैक अछि। जोल सीट सं पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्रक पुत्र विजय मिश्र लगातार बीजेपीक उम्मीदवारक रूपें जीतैत रहला अछि।
    मुदा पार्टी सं नाराज विजय मिश्र बीजेपी छोडि़ जेडीयूक कोटा सं विधान परिषद पहुंच गेलाह। सीट रिक्त भेलैक आ लोक सभा चुनावक बाद बिहार मे भेल उपचुनाव मे अहि सीट सं जनता दल युनाइटेडक उम्मीदवारक रूपमे विजय मिश्र अपन बेटा ऋषि मिश्र कें उम्मीदवार बनौला। जाले सीट सं ऋषि मिश्राक जीत भेल आ भाजपाक चिर-परिचत सीट नीतीश कुमारक पार्टी अर्थात जेडीयूक हाथ मे चलि गेल।
    उपचुनावक स्थिति किछु आओर रहैक आ एखन कें स्थिति किछु आओर छैक। उपचुनाव मे मतदाताक कोनो उतेक उत्साह नहि रहैत छैक इ सर्वविदित अछि मुदा अहि बेरक विधानसभा चुनाव निश्चित रूपहिं बिजलीक करेंट दय बला अछि। मुकाबला त्रिकोणीय हेतैक जाहिमे एनडीए, महागठबंधन ओ निर्णायक भूमिका मे तेसर मोर्चा अपन पाठ सेहो निभाओत। मुदा सब सं पैघ प्रश्न इ उठैत अछि जे भाजपाक अहि गढ़ मे जीत केकर हेतैक भारतीय जनता पार्टीक ओ कि भारतीय जनता पार्टीक नेताक रूपमे अहि क्षेत्र सं प्रतिनिधित्व कय चुकल ललित नारयण मिश्रक, पोता ओ विजय मिश्रक बेटाक ?
    जाले विधानसभा सीट सं एक दिस महाठबंधनक दिस सं इ सीट जेडीयूक खातामे गेल त अहिठामक वर्तमान विधायक ऋषि मिश्र गठबंधनक उम्मीदवार हेताह त दोसर दिस राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधनक कोटा सं इ सीट बीजेपीक खातामे गेल आ अहिठाम सं पार्टी जिवेश कुमार मिश्र कें अपन उम्मीदवार बनौलक। बात पूर्ण रूप सं साफ भय गेल अछि जे जाले विधानसभाक चुनाव अहि बेर मुख्य रूप सं मिश्र बनाम मिश्र होमय जा रहल अछि। एक दिस बीजेपीक समर्थक अपन सीट कें बचेवाक पूर्ण तैयारी मे छथि त दोसर दिस विजय मिश्रक ओ कैडर जे पैछला कतेको साल सं हुनका संग अछि ओ फायद ऋषि मिश्र कें भेटैत नजैर आबि रहल अछि।
    ओना सोशल मीडिया मे एकटा वर्ग भारतीय जनता पार्टीक नेतृत्व सं नाराज सेहो चलि रहल अछि, कारण अहि क्षेत्र पूर्व जिला पार्षद ओ स्थानीय बीजेपी कार्यकर्ता हेमंत झा सेहो अपना-आप कें टिकट दौर मे मानैत छलाह आ पार्टी नेतृत्वक द्वारा हुनकर अनदेखी कार्यकर्ता लोकनि सं पैच नहि पाबि रहल अछि। कतेको कार्यकर्ता ओ समर्थक खेलआम सोशल मीडिया पर अहि बातक जिक्र तक क रहला अछि जे हेमंत झाकें तेसार मोर्चाक उम्मीदवार कें रूप मे चुनाव लड़वाक चाहि त कतेक लोक चाहैत अछि जे हेमंत निर्दलीय चुनाव लड़ौथ। मुदा सच्चाई इ छैक जे पार्टी जिवेश कुमार मिश्र पर अपन विश्वास जतौलक अछि।
    आब बात चाहे जे भी हो मुदा मिश्र-मिश्र लड़ाई मे कोन मिश्र जनताक बीच लोकप्रिय हेताह अहि कें निर्णय त हुनके करय पड़तनि। आखिर जनता जौं स्थानीय नेता ओ पार्टीक गढ़ कें हिसाब सं देखता सं जिवेशकें पक्ष भारी रहत नहि जौं ललित नारायण मिश्रक नाम, विजय मिश्रक कार्यकाल कें देखि लोक वोट करताह त निश्चित रूपहिं ऋषि मिश्रक पलड़ा भारी रहत।