एनडीए मे सीटक बंटवारा, असंतोष मे घटक दल

    0
    374

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव कें लय राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन अर्थात एनडीए मे सीटक बंटवारा पर सहमति बनैत देखना जा रहल अछि मुदा आपसी बंटवारा मे एखनो किछु पेंज फंसि रहल अछि। सूत्र सं भेंट रहल जानकारीक मुताबिक बीजेपी राज्य मे 160-170 सीट पर चुनाव लड़वाक मोन बना चुकल अछि जखन कि रामविलास पासवान संचालित लोक जनशक्ति पार्टी कें 30-35 सीट देवाक बात चलि रहल अछि। ओमहर 20-25 सीट राष्ट्रीय लोक समता पार्टी कें आ अन्य सीट जीन राम मांझीक खाता मे देवाक बात चलि रहल अछि। 
    लेकिन सब सं पैघ सवाल अहि ठाम इ उठि रहल अछि जे लगतार कम सं कम 50 सीटक मांग केनिहार रामविलास पासवान कि अहि फाॅर्मूला कें अपन स्वीकृति देताह ? सूत्र सं भेंट रहल जानकारीक मुताबिक बीजेपीक राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाह घटक दलकें इ साफ कहि देलनि अछि कि अहां सं जौं गठबंधन मे रहय चाहैत छी त सीटक अहि समीकरण पर सहमति बनावय पड़त। एकरा पाछा मुख्य कारण इ जे बिहार मे भेल प्रधानमंत्रीक रैली मे जाहि तरहक भीड़ उमरल छल ओहिकें बाद बीजेपीक हौसला बुलंद अछि। 
    ओमहर बृहस्पतिदिन लगातार चलल बैसारक बाद एक फेर सं शुक्रदिन सेहो किछु एहने स्थिति रहलवाक बात देखना जा रहल अछि। संभावना अछि कि शुक्रदिन एक बेर फेर सं रामविलास पासवान ओ चिराग पासवान सहित घटकक अन्य दलक नेतागण बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह सं भेंट कय सीटक फंसल पेंच कें स्पष्ट करवाक दिस सार्थक डेग बढ़ेता। आब इ देखब दिलचस्प हैत कि आखिर एनडीएक ऊँट कोन करवट बैसैत छैक आ ओन समीकरण सोंझा आवैत अछि।