एनएसडी में भेल राजकमल चौधरीक कहानीक नाट्य मंचन

    0
    517

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः स्व. राजकमल चौधरी केर  कहानी पर केंद्रीत ‘मैथिल नारी, चाइर रंग’क मंचन राष्ट्रीय नाट्य केंद्र अर्थात नेशलन स्कूल आॅफ ड्रामा ‘एनएसडी’क सम्मुख समागार में सफलता पूर्वक संपन्न भेल। नाटकक मंचन बेरू पहर साढ़े चाइर बजे आ सांझू पहर सात बजे शुरू कैल गेल। स्व. राजकमल बाबूक जाहि चाइर गोट कहानीक मंचन मैलोरंगक रंगकर्मी लोकनि कैलिन ओकर नाम अहि प्रकारेंण अछि, अलिखित पत्र, ललका पाग़, कोपर आ वैष्णव। अपन अभियन सं मैलोरंगक कलाकार लोकनि उपस्थित दर्शकदीर्घा कें मंत्र मुग्ध करवाक लेल मजबूर कय देलनि। नाटक में भाग लेनिहार कलाकार नाम अछि मुकेश झा, अनिल मिश्र, अमरजी राय, दीपक ठाकुर, प्रवीण कश्यप, सोनिया झा आ सत्या मिश्रा। मंच पाश्र्व राजीव रंजन झा आ रमण कुमारक छलन्हि। विशेष सहयोग राजीव मिश्रा, संतोष कुमार, ज्योति झा, नीरा झा आ मनोज पांडे कें छलनि। विशेष सहयोग दुर्गा शर्मा आ उत्पल झा’क रहनि। मैलोरंग द्वारा प्रस्तुत कैल गेल नाटक ‘मैथिल नारी, चाइर रंग’ कें निर्देशन प्रसिद्ध नाट्यकर्मी देवेंद्र राज अंकुर जीक रहनि आ सह निर्देशकक रूप में मैलोरंग दिल्लीक निदेशक प्रकाश झा जी’क छलनि।

    राजकमल चौधरी द्वारा लिखल कहानी कें हिन्दी में मंचन कय रंग निर्देशक देवेन्द्र राज अंकुर मैथिल कहानीकार कें राष्ट्रीय स्तर पर अनवा कें सेहो संकेत देलनि अहि। मैलोरंग देशक राजधानी दिल्ली में रंगमंच कें मादे मैथिली भाषा कें उत्थान आ विकास कें लेल सक्रिय अछि। मैलोरंग आ प्रकाश जी दिल्ली में रहि कय मिथिला आ मैथिलीक उत्थानक लेल जाहि तरहक कार्य कय रहला अछि ओ निश्चित रूपहि प्रशंसनिय अछि। मिथिला मिरर’ संपादक ललित नारायण झा सं बातचीत करैत प्रकाश झा जी कहलनि जे हमरा सब अतिशिघ्र राजकमल जीक अहि कथा संग्रह कें मैथिली में सेहो मंचन करब। देशक राजधानी दिल्ली में अहि तरहक प्रयास सं एक तरफ जेना नव युवा कें कलाक क्षेत्र में जेवाक अवसर भेंट रहल छन्हि त दोसर दिस मिथिला आ मैथिलीक विकास कें सेहो पटरी पर अनवा में भाई प्रकाश जीक संहयोग आ कार्य सराहनीय कहल जा सकैत अछि। मिथिला मिरर’क टीमक तरफ सं मैलोरंगक सब रंगकर्मीक संग-संग भाई प्रकाश झा जी कें बहुत-बहुत धन्यवाद।