इ हमर नहि मिथिलाक सम्मान थिकः उदित नारायण झा

    0
    605
    दिल्ली-मिथिला मिररः देशक 67म गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्या पर केंद्रीय गृह मंत्रालय भारत सरकार द्वारा पद्म पुरस्कारक घोषणा कय देल गेल। अहि बेरक पद्म पुरस्कार रामोजी राव, रजनीकांत, उदित नारायण झा, श्री श्री रविशंकर, धीरू भाई अंबानी (मरनोपरांत), सानिया मिर्जा, सायना नेहवाल, अनुपम खेर, अजय देवगन सहित 112 गोटे कें देल गेलनि। साल 2016मे 10 गोट पद्म विभूषण, 19 गोट पद्म भूषण आ 83 गोट व्यक्ति कें पद्श्री सम्मान देवाक घोषणा कैल गेल।
    मिथिलाक लेल निश्चित रूपसं इ गौरव वला विषय रहल कारण अहि साल मिथिलाक शान आ देशक जानल-मानल पार्श्व गायक उदित नारायण झा कें देशक तेसर सर्वोच्च नागरिक सम्मान पद्म भूषण देवाक निर्णय केंद्र सरकार लेलक। अहि सं पहिने गायक उदित नारायण झा कें पद्मश्री सम्मान सं अलंकृत कैल जा चुकल छलनि। अहि अवसर पर मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा संग भेल फोन पर विशेष बातचीत मे पार्श्व गायक उदित नारायण झा कहला जे ‘इ हमर सम्मान नहि अपितु मिथिलाक सम्मान थिक। हम आई बहुत बेसी प्रसन्न छी कारण भारत सरकार मिथिलाक एकटा बेटा कें अहि योग्य बुझलक ओकरा लेल हम केंद्र सरकार कें सलाम करैत छी। हम समस्त मैथिलजन कें प्रणाम करैत इ कहि रहल छियैन जे जहिना हम मिथिलाक अवाज कें विश्व धरि पहुंचेबा मे अपन योगदान दैत रहलहुं ओहिना आगो अहां लोकनिक आशीर्वाद सं पहुंचावैत रहब। संगहि समस्त मिथिलावासी सं वचन लय रहल छी जे शीघ्रहि मिथिला मिररक मादे एकटा सुंदर सन साक्षात्कार आहं लोकनिक लेल देब।’
    एक बेर फेर देखल मिथिला मिररक दम
    मिथिला मिरर 21 जनवरी कऽ अपन सूत्रक माध्यम सं पद्म पुरस्कारक बहुतायत संभावित नामक घोषणा कय देने छल। देश भरिमे इंडिया टीवी’क बाद मिथिला मिरर दोसर एहन मीडिया छल जे पद्म पुरस्कारक संभावित नामक घोषणा केने छल। अहिकें लेल अपन पूरा टीम खास कय राकेश सिंह, कुंदन वत्स, संजय कुमार सहित पूरा टीम कें बधाई। संगहि मिथिला सहित संपूर्ण भारतवांसी कें 67म गणतंत्र दिवसक हार्दिक बधाई। जय हिन्द, जय भारत। वंदे मातरम्!