आरजेडी सं त्यागपत्र देलाह रघुनाथ, सपाक नेतृत्व करता बिहार मे

    0
    406

    दिल्ली-मिथिला मिररः पूर्व केंद्रीय मंत्री आ राष्ट्रीय जनता दलक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष रघुनाथ झा आरजेडीक प्राथमिक सदस्यता सं त्याग पत्र दैत बिहार मे आगामी विधानसभा चुनाव मे समाजवादी पार्टीक नेतृत्व करवाक लेल तैयार भय गेलथि। शिवहर विधानसभा सं 27 साल तक विधायक आ पश्चिमी चंपारण/बेतिया ओ गोपालगंज सं सांसद एवं पूर्व केंद्रीय भारी उद्योग मंत्री रहल झा प्रायः हर पार्टी मे रहि चुकल छथि।
    लालू ओ नीतीशक कुमारक महागबंधन कें एकटा पैघ क्षतिक रूप मे देखल जा रहल अछि कारण समाजवादी पार्टी आ गठबंधन सं अलग भय लगभग पांच दर्जन तक सीट पर चुनाव लड़वाक लेल तैयार अछि। आ आब रघुनाथ झा सेहो समाजवादी पार्टीक नाव पर ठाढ़ भय पार उतरवाक लेल तैयार छथि। रघुनाथ झाकें लेल सेहो बिहारक राजनीति मे लालू-नीतीशक संग ऐलाक बाद बहुत किछु नहि बांचल छलन्हि एहन ओ ओहो कोनो नव मौकाक ताक मे छलाह। 
    रघुनाथ झा बिहारक राजनीति मे नव प्रयोग करवा मे आई सं नहि बहुत पहिने सं माहिर छथि। 1985 मे राजीव गांधीक संग भेलाक बादो जगन्नाथ मिश्रक संग अनबनक कारणें ओ जनता पार्टीक उम्मीदवारक रूपमे शिवहर मे कांग्रेस कें पटखनी द चुकल छलथि। एकटा समय छल जखन शिवहर ओ सीतामढ़ी मे रघुनाथ झाकें डंका बजैत छल आ ओहि समय इ नारा लागैत छल जे ‘रघुनाथ नही ंतो हाथ नहीं’ एतबे नहि अपन जिद पर रघुनाथ 2000 मे शिवहर कें अलग जिला बनवा लेलाह। 
    जखन बिहार मे 1989 मे बिहार मे जनता दलक सरकार बनवाक तैयारी भय रहल छल ओहि समय लालू प्रसाद यादव, राम सुंदर दास ओ रघुनाथ झा तीनू मुख्यमंत्री बनवाक दौर मे छलाह। मुदा बिहार मे मंडलक राजनीति मे रघुनाथ पाछू भय गेलाह आ अंत मे अपन 22 गोट विधायकक समर्थन दय लालूक मुख्यमंत्री बनेवाक रास्ता साफ कय देलाह। आब इ देखब दिलचस्प हैत कि सपाक संग रघुनाथ पारी कतेक काल तक चलैत छन्हि आ ओहि सं केकरा कतेक नफा नुकशान हेतै से त आबै वला समय बतायत।