अमरनाथ गामीक राजनीतिक भविष्य पर खास बातचीत

    0
    367

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः मिथिला मिररक आजुक साक्षात्कार मे हमरा लोकनिक बीच छथि दरिभंगा जिला अन्तर्गत हायाघाट विधानसभा क्षेत्र सं विधायक अमरनाथ गामी। पैछला दू दिन सं लागातार सोशल मीडिया पर पहिल दिन हिनका द्वारा कायल गेल पोस्ट सं आयल स्थानीय राजनित मे भूचाल आ ओहिके बाद हिनका द्वारा पुनः पोस्ट कायल गेल इस्तीफा वाला पत्र कें पोस्ट पर उठि रहल नानन तरहक प्रश्न पर आजुक अंक मे चर्चा करबः-
    गामी जी नमस्कार,
    मिथिला मिरर मे अपनेक बहुत-बहुत स्वागत अछि।
    उ.-नमस्कार राहुल जी
    प्र.-गामी जी संभवतः दू बरख पहिले भाजपा सं निष्कासित कय पुनः पार्टीक निर्णय कंे बदलैत पार्टी मे शामिल कयने छलथि मुदा मात्र दू बरख कें बाद अपने एहि स्थिति मे पहुंच गेलों जे पार्टीेक सदस्यता सं इस्तीफा देबय पड़ल आखिर एहिकें पाछु कि कारण?
    उ.-ओना कारण हम पोस्ट के माध्यम सं स्पष्ट कय चुकल छी तैयो हम अपने कें कहय चाहब जे मानि लियऽ जे हम एकटा विधायक छी जे हमरा खिलाफ चुनाव लड़लै ओकरा पार्टी ओहि क्षेत्रक प्रभारी बना दै छैक ओहो ओहि क्षेत्रक विधायक बिना सहमति के, जे विधानसभा चुनाव मे हमरा खिलाफ लड़ल छल, ओहि विधानसभा मे एकटा पाइवला कें जे बिना सदस्यता के छैक ओकरा पार्टीक किसान मोर्चाक प्रदेश प्रकोष्ट के उपाध्यक्ष बना देल जाइत छैक एतबे नाहि ओहि क्षेत्र मे दिल्ली सं एकटा राजनेता के भेज देल जाइ छै आ ओ नेता कहै छैक जे पार्टी हमरा चुनाव लड़बाक भेजलक अहि। मानि लियऽ जे ओहि क्षेत्र मे पार्टी तीन टा उम्मीदवार पैदा कय देलकै तऽ आंहि कहु जे हम एहि इंतजार जे पार्टी घर बैसा देतै की राजनीति करबै।
    जाहिया सं मंगल पाण्डे के टीम बनलै ओहि समय हम एम.एल.ए सह जिलाध्यक्ष मे सबसं पावरफुल लोक छलियै तेकरा जबरदस्ती हटा नया जिलाध्यक्ष बनेलकै ओकरो 6 महीना बाद हटा देल गेलै तऽ निश्चित रूप सं वर्कर नहि नौकर प्रवृति आबि गेलै पार्टीक अन्दर। जखन हमरा संग पार्टी राजनीति केलकै तऽ हम आत्महत्या करबै की लड़बै? आत्महत्या त नहि करबै किएक त इ कायरक काज छियै, वीर जे होइ छैक ओ लड़ै छैक त हम लड़ै के रास्ता चुनलियै।
    प्र.-दू बरख पहिने पार्टी मे अपनेक वापसी भेल छल ?
    उ.-वापसी नहि कानूनी नोटिस भेजने छलियै पार्टी कंे जे हमरा सन कार्यकर्ता कें निष्कासित कोना केलियै? सब तरहक जाँचक बाद हम तऽ पार्टी आबि गेलियै मुदा ओहुके बाद हमरा संग वर्ताव सही नहि रहल जेकरा हम साक्ष्य कें संग राखलियै कि ने।
    प्र.-किछु व्यक्ति इ आरोप छनि जे गामी जी के नीतीश कुमार संग लागातार संबंध बनल छलनि आगामी विधानसभा चुनाव के नजदीक आबैते टिकट लेबाक लेल एहि तरहक मौका देखिते
    उ.-राजनीति मे प्रभावशाली आदमी सं सब क्यो संबंध राखय चाहै छैैैथ। तब तो नीतीश कुमार हमर बेटीक विवाह मे आयल छलाह तखने हमरा जेडीयू ज्वांइन कऽ लेबाक चाही।  प्रत्येक व्यक्ति इ लालसा जे प्रभावशाली व्यक्ति ओकरा ओहिठाम आबै यदि ओ हमरा बेटी। हमरा इ कहु जे एकटा विधायक आ राज्यक मुख्यमंत्री के बीच संबंध भेनाई अनुचित होई छैक।
    प्रश्न-किछु गोटेक कहब छन्हि जे अपने क्षेत्रक जनता के बरगला रहल छियै ओना हमरो जनतब अछि जे अपनेक द्वारा क्षेत्र मे की काज कैल गेल अछि मुदा हम जानय चाहब जे एहि आरोप मे कतेक सत्यता छैक?
    उ.-यदि एखन हमरा काजक उपर चर्चा हेतैक चाहे कोनो दलक नेता डिबेट मे नहि सकतै हमरा उपर आइ धरि कोनो दलक नेता आंगूर नहि उठेलक अहि आवाज उठबो केलैये त हमर पाटी सं। मिडिया मे हम त खुजल चुनौति देलियैहन जे यदि हम गलत छी त हमरा उपर कार्रवाई करू।
    प्र.-त कि पार्टी दिस ऐकर जबाब भेटल?
    उ.-नहि एखन धरि त नहि भेटल अहि।
    प्र.- यदि पार्टी अपनेक इस्तीफा स्वीकार कय लेत कि अपने आबय वला चुनाव केम्हर जेबई वा कोन तरहे चुनाव लड़बै?
    उ.-हम पार्टी विरोधी थोड़े छी, हम तऽ पोस्ट मे लिखलियै यै जे भाजपा एक गंगोत्री है जिसमे जो मिलता है उसका पुराना पाप धूल जाता है।……एहि तरहक बात रखलियैये। मैनि लिय की पार्टी हमरा टिकट नहियो दैये त सिर्फ इ गलती स्वीकार करैथ जे अपनेक संग अन्याय भ रहल छल त हम एकटा कार्यकर्ता जेना काज करब। टिकट के हम पैदा नहि लेलौ अहि राहुल जी हम वसूल के लेल पैदा लेलौं अहि।
    गामी जी अपन मिथिला मिरर के एतेक महत्वपूर्ण समय देलियै ताहि लेल बहुत-बहुत धन्यवाद!