अभामिपा कें चुनाव चिन्ह जारी, चुनाव मे कतेक असरदार रहत पार्टी?

    0
    483

    दिल्ली-मिथिला मिररः अखिल भारतीय मिथिला पार्टी कें बिहार विधानसभा चुनाव 2015’क लेल चुनाव आयोग द्वारा चुनाव चिन्ह जारी क देल गेल। ‘सात किरण युक्त नींव’ अहि बेर पार्टीक चुनाव चिन्ह हैत। पार्टीक राष्ट्रीय संयोजक रत्नेश्वर झा कहैत छथि जे इ चुनाव चिन्ह मिथिलाक सप्तविद्याक प्रतीक थिक आ मिथिला मे इ एकटा अलग तरहक अलख जगेवाक कार्य करत। 
    लगातार मिथिलाक सर्वांगिण विकासक लेल अवाज उठेवाक दावा करैवला अभामिपा अहिबेर मिथिलाक 129 गोट विधानसभा सीट मे सं आधा सं बेसी विधानसभा पर अपन उम्मीदवार ठाढ़ कय रहल अछि। मुदा जमीनी स्तर पर आधारक कमी आ चुनाव लड़वाक लेल उपयुक्त टका नहि भेला सं पार्टी की जमीनी स्तर पर कोनो ठोस असर छोडि़ पाओत त  दोसर दिस हर दोसर परिवार मे बनल कथित मिथिलाक संस्था सं तंग आबि गेल मिथिलावासी की आगामी चुनाव मे अभामिपा कें अपन समर्थन देताह?
    एहन तरहक बहुत रास प्रश्न आगामी चुनाव सं पहिने पार्टी बाट मे अवश्ये रोड़ा बनि ठाढ़ रहत। त दोसर दिस अगर जौं मजबूत जमीनी जनसमर्थन रहैत त बिहारक कोनो पार्टीक संग गठबंधन मे जा सेहो चुनाव लड़वा दिस विचार कैल जा सकैत छल। मुदा ओहो ठाम पार्टी लेल विस्तारित नेतृत्व ओ समर्पित कार्यकर्ताक अभाव मे अपना कें नीक स्थिति मे नहि देखवाक लेल चिंतित कय रहल अछि।
    एहन मे एकटा प्रश्न समस्त मिथिलावासीक मुंह दुसवाक लेल ठाढ़ अछि कि जौं कोनो व्यक्ति मिथिलाक नाम पर चुनाव मे जेबाक बात करैत छथि त हुनका संग जनसमर्थन कियैक नहि ठाढ़ होइत अछि। कियैक नहि ओहि पार्टी कें समुचित धन भेटैत छैक जाहि सं ओ पार्टी अपना आप कें समृद्ध करवा दिस डेग बढ़ा सकै? अगर दोष जनता कें त समय दर समय ओहि पार्टीक नेतृत्व पर सेहो उठैत रहल अछि जे इ पार्टी स्वाधीन कंपनी ओ कि निजी संपत्ति जेना चलैत अछि। 
    तमाम नीक ओ अधलाह सवाल सं उपर इ एकटा हिम्मतक काज छै जे कियो व्यक्ति अप्पन आटा गिल कय मिथिलाक अवाज बनि आगामी चुनाव मे प्रतिनिधित्व करवाक लेल आगु आयल अछि। अगिला चुनाव मे पार्टीक केहन असर रहैतक जमीन पर ओ त समय बताओत मुदा मिथिला मिरर परिवार दिस सं पार्टी ओ नेतृत्वकर्ता कें हार्दिक बधाई ओ मिथिलाक विकासक लेल अवाज उठेवाक लेल कोटि सह धन्यवाद सेहो।