अपन पंद्रह मासक कार्यकालक रिपोर्ट पेश करैथ पीएम-नीतीश

    0
    444

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः बिहार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक बेर फेर सं प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर जुबानी प्रहार करैत कहला जे प्रधानमंत्री कें अपन पंद्रह मासक कार्यकालक रिपोर्ट कार्ड जनता सोंझा पेश करवाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे हम अपन सरकार रिपोर्ट पेश केलौह अछि जाहि मे प्रत्येक बरखक रिपोर्ट पेश कैल गेल अछि। 
    अगर प्रधानमंत्री बिहार मे आबि एतेक नमहर-नमहर जुमला छोडि़ रहला अछि त हुनका बिहारी जनताक सोंझा अपन पंद्रह महिनाक रिपोर्ट पेश करवाक चाहि। नीतीश कहला जे बिहारक जनता स्वाभिमानी अछि आ कोनो भी हाल मे बीजेपीक झूठक बहकाव मे नहि जायत। संगहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे अगर जनता एक बेर फेर सं हमरा पक्ष मे जनादेश देत त हम 2 लाख 7 हजार करोड़क कटाक जे स्कीम छै ओहि पर द्रुतगति सं कार्य करब।