मधुबनी मे युवक के गोली मारि कय हत्या

    0
    270

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला के खजौली थाना क्षेत्रक भकुआ पंचायत के भकुआ नट टोल मे आपसी विवाद मे शुक्रदिन साँझ मे एकटा युवकक गोली मारि कय हत्या कय देल गेल। मृतक युवकक पहचान जयनगर थाना क्षेत्रक लसकरिया गाम निवासी रामनारायण सिंह के पुत्र कुणाल कुमार सिंह (30) के रूप मे कायल गेल अछि।

    घटना के सूचना पर पहुंचल स्थानीय थाना पुलिस लहास के कब्जा मे लय क पोस्टमार्टम के लेल मधुबनी पठा देलक अछि। जानकारी के अनुसार, कुणाल सिंह के रिश्तेदार तथा कसमा गाम निवासी लक्ष्मण सिंह के मोटरसाइकिल भकुआ नट टोल निवासी स्व़ मो़ अहमद के पुत्र मो़ जफर किछु दिन सं रखने छल। अहि बात पर कुणाल तथा कुणालक रिश्तेदार भकुआ नट टोल पहुँचल छल। मोटरसाइकिल देबाक लय क दूनू मे काहासुनी भेल। अहि बात पर आक्रोशित भय मो़. जफर घर सं पिस्टल निकालि कुणाल के गोली मारि देलक। गोली कुणाल के गर्दन मे लागल, जाहि सं कुणाल के घटनास्थल पर मौत भय गेल।

    गोली मारला के बाद मो़ जफर फरार भय गेल अछि। घटना के बाद सं आरोपि युवक सहित परिवारक सब लोक फरार बताओल जा रहल अछि। थानाध्यक्ष ब्रजकिशोर सिंह के अनुसार पुलिस मामलाक छानबीन कय रहल अछि।