मुजफ्फरपुर मे डायन के नाम पर महिला’क केश छिलाओल गेल

    0
    284

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर के मुशहरी थाना क्षेत्रक गुरमी गाम मे भरल पंचायत मे महिला के डायन कहि केश कटा कय पूरा गाम मे घुमेबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। एतबे नहि बाद मे पंचायत महिला के गाम सं निकालबाक फरमान जारी कय देलक। बताओल जा रहल अछि जे, जमीन विवाद मे अहि घटना के अंजाम देल गेल अछि।

    बाद मे महिला कोनो तरह जान बचाकय गांव स शहर पहुंचल। महिला पुलिसक पैघ अधिकारी तक फरियाद लय पहुंचल। मानल जा रहल अछि जे, जमीन विवादक लेल किछु महीना सं झगड़ा चलैत छल। विवाद खत्म नहि भेल पर डायन बताकय महिला आ महिलाक पतिक संग मारि पीट कायल गेल।

    पीड़िता गामक भोला राय, नरेश राय, बालेश्वर राय आ दिलीप राय के नाम प्रमुख रूप सं लेलक अछि। एसएसपी डीएसपी पूर्वी के मामलाक जाँच कय दोषी के खिलाफ कानूनी कारवाई करबक आदेश देलक अछि।