मधुबनीक बिनोदानंद झा कॉलोनी बनल नगर परिषद्क कचरा घर

    0
    286
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक प्रख्यात एवं बुद्धिजीवी वर्गक लोक स सुसज्जित विनोदानंद झा कॉलोनीक पहिचान आय शहर मे दोसर रूपे भय रहल अछि। पिछला कई साल स ई कॉलोनी जलजमाव तथा कचड़ा के ढ़ेरी स जानल जाईत रहल अछि। कहियो भोर होइतहि कॉलोनी मे विद्यार्थी वर्गक जमाव देखल जाईत छल, मुदा आई हालत बदलि चुकल अछि। लोक एम्हर नाक झाँपि क निकलबा लेल मजबूर छथि। बरसात अबितहि अनठिया के कहै, कॉलोनी वासी सेहो अपना घर जाय मे कतराई छथि।
    ई समस्या कियो आन नहि, शहर मे सुविधा बहाल करबाक लेल बनल नगर परिषद् विभाग उत्पन्न कय रहल अछि। दरअसल नगर परिषद् मधुबनी शहर स निकलै बला कचरा के लेल आब अहि कॉलोनी मे अस्थायी कचरा घर बनौलक अछि। एकटा अनुमानक अनुसार सब दिन लगभग तीन टन कचरा विनोदानंद झा कॉलोनी मे फेंका रहल अछि। सूत्रक अनुसार नगर परिषद् कचरा उठेबाक नाम पर हरेक महीना लगभग 15 लाख रुपैया खर्च कय रहल अछि। बावजूद एकर शहर मे कचराक सरांध स लोक परेशान छथि, जे बरसातक मौसम मे अधिक बढ़ि जाईत अछि।
    विनोदानंद झा कॉलोनी मे जलजमावक समस्या आब और अधिक बढ़ल जा रहल अछि। दरअसल कॉलोनी स पानि निकास जाहि राज कैनाल स होईत छल, ओहि कैनाल के नगर परिषद् बंद कय देलक अछि, आ शहरक सब कचरा विनोदानंद झा कॉलोनी स्थित राज कैनाल मे राखल जाईत अछि।