रथ हादसाक बाद अचानक मातममे बदलि गेल बियाहक ख़ुशी

    0
    377

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन बियाह रथ हादसाक बाद समदा गाममे बियाहक खुशी अचानक मातममे बदलि गेल। कक्काकें बियाहक दिन भतीजाक मौत भेला सं परिवारमे मातम पसरि गेल। ज्ञात हो कि समदा गामक सुकेश यादवकें बियाह बृहस्पति दिन सीतामाढ़ी जिलाक खोरिया गाममे हेबाक छल। जतए बियाहक सब तैयारी भए गेल छल। साँझमे बरियाती जेबाक तैयारी भए रहल छल। 

    कक्काकेँ बियाहमे भोज खेबाक लेल भतीजा अतीश कुमार (तीन वर्ष) अपन घर सं दालान दिस जा रहल छल कि एक कि एकटा अन्य जगह जा रह बियाह रथक चपेटमे आबि गेल, जाहि सं तत्काल ओकर दर्दनाक मौत भए गेल।

    भतीजाक मौतकें बियाहक खुशी मातममे बदलि गेल। मृतकक पिता राकेश यादव, माता रंजुला देवी, चाचा सुकेश यादव, दादी घटनाक बाद बेहोश भए गेल। परिवारक लोक द्वारा जहन अहि घटनाक सूचना सीतामढ़ी जिलाके खोरिया गाम लड़की वलाक घर पहुंचत लड़कीक परिजन हतप्रभ भए गेल। बालकक मौतके बाद चाचाक बियाह रुकि गेल।