दरभंगाक अहि प्रखण्ड मे पांच साल सं नहि भेटि रहल कन्या विवाह योजनाक लाभ

    0
    407

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: एक दिस राज्य सरकार महिला शिक्षा के प्रोत्साहित करबाक लेल नव-नव योजनाक घोषणा करैत अछि। ओतहि ओहि योजनाक की हाल अछि एकर खुलासा मुख्यमंत्री कन्या विवाह योजनाक आंकड़ा बयान कय रहल अछि। दरभंगाक हनुमाननगर प्रखण्ड मे आलम ई अछि जे, अहि प्रखंड कार्यालय मे वर्ष-2011 सं हजारो-हजार आवेदन धूल फँकी रहल अछि।

    अहि योजनाक हालात ई अछि जे, योजनाक लाभुक नवविवाहिता अप्पन-अप्पन सासुर मे रहि रहल छथि आ हिनकर परिजन साल दू साल तक प्रखंड कार्यालयक चक्कर लगबैत-लगबैत थाकि गेलाह।

    ज्ञात हो कि अहि योजना मद मे प्रखंड के पांच वर्षक भीतर जिला स एकटा रुपैया आवंटित नहि कायल गेल अछि। एक आध टा लाभुक के जुगाड़ टेक्नॉलोजी के बदौलत पूर्व के बचल राशि मे सं भुगतान कायल जा रहल अछि। अहि संबंध मे बीडीओ पंकज कुमार कहलनि जे, राशि आवंटित होइते शीघ्र भुगतान कय देल जायत।