वैशाली मे शराबक पैघ खेप पकड़ल गेल, एकटा तस्कर गिरफ्तार

    0
    257

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहारक वैशाली मे पुलिस छापेमारी कय शराबक पैघ खेप के जब्त कायल गेल अछि। पुलिस के ई कामयाबी जिलाक महुआ मे भेटल अछि। गुप्त सूचनाक बाद छापेमारी कय शराबक खेप पकड़लक अछि। छापेमारी के दौरान पुलिस एकटा हाईवा ट्रक आ एकटा स्कार्पियो गाड़ी जब्त केलक अछि। जाहि मे करीब 160 कार्टन सं अधिक शराब बरामद कायल गेल अछि।

    अहि मामला मे पुलिस एकटा व्यक्ति के गिरफ्तार केलक अछि। पुलिसक मुताबिक पकड़ल गेल शराब के नुकेबाक तैयारी छल, अहि दौरान छापेमारी कय शराब के अवैध कारोबारी के मंशा नाकाम कय देल गेल।बिहार मे शराबबंदीक बाद सं शराबक खेप के पकड़ल जेनाय लगातार जारी अछि। वैशाली सं पहिने रविदिन भोजपुर आ समस्तीपुर मे सेहो पुलिस शराबक खेप बरामद केने छल।था.