एक किलो सोना गबन के मामला मे दू गोट थानाध्यक्ष निलंबित

    0
    293

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: एक किलो सोना गबन करबाक मामला मे डीएसपी सदर के जांचोपरांत फुलवरिया थानाध्यक्ष रंजीत रंजन एवं सघौल ओपी प्रभारी ललित कुमार के एसपी रंजीत कुमार मिश्रा निलंबित कय देलनि। डीएसपी राजेश कुमार घटना के सही पबैत अनुशासनिक कार्रवाईक अनुशंसा केने छल।

    ज्ञात हो कि बीटल 26 दिसम्बर कय सघौल ओपी प्रभारी व फुलवरिया थानाध्यक्ष मिल कय स्वर्ण व्यवसायी अमित कुमार के स्टाफ पीयूष कुमार के एक किलो सोना के संग पकड़ने छल। अहि के बाद स्टाफ के छोड़ि देल गेल मुदा, सोना गायब कय देल गेल छल। अहि के बाद स्वर्ण व्यवसायी अहि बातक शिकायत केने छल। कार्रवाई नहि भेल पर व्यवसायी चेतना सभा के दौरान मुख्यमंत्री स अहि बातक शिकायत केने छल। अहि पर मुख्यमंत्री डीजीपी स जांच कय कार्रवाई करबाक निर्देश देने छलाह।