ट्रक-स्कॉर्पियो’क ठोकर सं दंपति समेत तीन गोटेक दर्दनाक मौत

    0
    292

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहारक सुपौलमे बृहस्पति दिन भोरमे एकटा सड़क हादसामे तीन गोटेक मौत भए गेल। हादसा एनएच पर भेल, जतय ट्रक आ स्‍कॉर्पियोक आमने-सामनेक टक्‍कर भए गेल। अहि टक्करमे स्‍कॉर्पियोके परखच्चा उड़ि गेल। हादसामे गाड़ी पर सवार पति-पत्नी समेत गाड़ीक ड्राइवरक घटनास्‍थल पर मौत भए गेल जहन कि दू टा अन्य घायल भेल अछि।

    घटनामे घायल दुनूक स्थिति गंभीर बताओल जा रहल अछि। जानकारीक अनुसार एकटा परिवार पूर्णिया सं सुपौल जा रहल छल, ताहि दौरान ई टक्कर भेल। मृतक पूर्णियाक बीएमसी कॉलेजक नंद किशोर सिंह आ हुनकर पत्‍नी पूनम सिंह आ ड्राइवर बताओल जा रहल अछि।

    दुर्घटनाक बाद स्‍थानीय लोक राहत व बचाव काज आरंभ केलक। दुर्घटनामे घायलकें अस्‍पताल पहुंचाओल गेल, जाहिमे दुनूकें हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि।