समस्तीपुर मे लूटक वारदात सं पहिने गिरफ्तार भेल दू गोट अपराधी

    0
    271

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे पुलिस नया सालक जश्न मे खलल देबा सं पहिने अपराधी के गिरफ्तार कय लेलक अछि। सुरक्षा के मद्देनजर एसपी सब थाना के खास निर्देश जारी केने छल, अहि क्रम मे पुलिस के सफलता भेटल अछि। मुफ्फसिल थाना पुलिस गुप्त सुचनाक आधार पर कर्पूरीग्राम के व्यपारी सं 5 लाख रुपैया लूटबाक योजना बना रहल दू गोट अपराधी के गिरफ्तार केलक अछि।

    पुलिस अहि दौरान दूनू अपराधी के संग सं हथियार सेहो बरामद केलक अछि। पुलिसक रेड के दौरान दू गोट अपराधी भगबा मे सफल रहल। एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि जे, गिरफ्तार दूनू अपराधीक पुरान आपराधिक इतिहास रहल अछि।

    अहि के विरुद्ध विभिन्न थाना मे मामला दर्ज अछि। गिरफ्तार अपराधी के संग सं पुलिस दू टा देशी कट्टा, पांच टा जिन्दा कारतूस, मोबाइल आ दू टा मोटरसाइकिल बरामद केलक अछि। फरार दूनू अपराधीक पहचान कायल जा चुकल अछि आ गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कायल जा रहल अछि।