रूसक कंपनी ‘फिबमॉफ’ करत गांधी सेतु के मरम्मत’क काज

    0
    395

    पटना, मिथिला मिरर: पटना के महात्मा गांधी सेतु के ऊपरी स्ट्रक्चर के बदलबाक काज 15 नवंबर सं शुरू भय जायत। करीब 17 सौ करोड़ के लागत सं गांधी सेतु के ऊपरी स्ट्रक्चर के बदलबाक लेल एजेंसी के एग्रीमेंट लेटर भेटला के बाद वर्क ऑर्डर भेट गेल अछि। आब एजेंसी द्वारा सेतु के ऊपरी स्ट्रक्चर के बदलबाक काज शुरू कायल जायत।

    सूत्रक अनुसार चयनित एजेंसी के अधिकारी गांधी सेतु’क निरीक्षण केलनि अछि। केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री नितिन गडकरी छपरा मे एकटा कार्यक्रम के दौरान गांधी सेतु के जीर्णोद्धारक काज 15 दिन मे शुरू हेबाक बात कहलनि। सेतु के मरम्मतक काज के देखरेखक लेल पथ निर्माण विभाग अलग सं एकटा मॉनीटरिंग यूनिट स्थापित करात। गांधी सेतु के जीर्णोद्धारक जिम्मेवारी रूस के कंपनी फिबमॉफ के भेटल अछि।

    सूत्रक अनुसार सेतु के जीर्णोद्धार पर लगभग 1700 करोड़ रुपैया खर्च होयत। सेतु के ऊपरी स्ट्रक्चर के बदलबाक काज अप स्ट्रीम यानि पश्चिमी लेन सं आरंभ होयत। पश्चिमी लेन मे पाया संख्या 46 के समीप कटिंग हेबाक कारने काज शुरू करबा मे सहूलियत होयत। ऊपरी स्ट्रक्चर के बदलबा मे लगभग चारि सालक समय लगबाक सम्भावना अछि। अहि दौरान यातायात बाधित नहि होयत।