दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बृहस्पति दिन दरभंगा मे अप्पन निश्चय यात्राक दौरान बहुतो कार्यक्रम मे भाग लेताह। हुंकार प्रमुख कार्यक्रमक मे भोर 10 बजे ‘खुले मे शौच से मुक्त’ बड़ेही प्रखंडक हरहच्चा पंचायतक निरक्षण, ‘हर घर नल’ ‘जल व नाली’ आ पक्की गली योजनाक शुभारंभ करताह।
11.30 बजे मुख्यमंत्री जिलाक बहादुरपुर प्रखंडक रामनगर स्थित महिला औधौगिक प्रशिक्षण संस्थानक भवनक उदघाटन करताह। 12.15 बजे दरभंगा समाहरणालय स्थित जिला लोक शिकायत निवारण कार्यालयक निरीक्षण करताह। 2.30 बजे दरभंगा के नेहरू स्टेडियम मे चेतना सभा के संबोधित करताह, जाहि मे जीविका दीदी, विकास मित्र सहित आम जनताक भागीदारी रहत।
मुख्यमंत्री 5 बजे दरभंगा समाहरणालय के सभाकक्ष मे सरकारी कार्यक समीक्षा करताह, जाहि मे दरभंगा के प्रभारी मंत्री सह सूबे के नगर विकास मंत्री महेश्वर हजारी सहित दू दर्जन विभागक प्रधान सचिव मौजूद रहेताह।