सीसीटीवी मे कैद भेल पेट्रोल पम्प लूटक घटना

    0
    317

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे अपराधी कतेक बेख़ौफ़ भय लूटक घटना के अंजाम दय रहल अछि से समस्तीपुर मे देखबाक भेटल। समस्तीपुर के पटोरी मे एकटा पेट्रोल पंप सं भेल लूटक वीडियोक फुटेज सामने आयल अछि।

    ई सीसीटीवी फुटेज सात फ़रवरी के भेल पेट्रोल पम्प लूटकांडक अछि। जतय पूरा वारदात कैमरा मे कैद भय गेल अछि। अहि सीसीटीवी फुटेज मे पांच सं सातक संख्या मे अपराधी पेट्रोल पम्प पर अबैत अछि आ बंदूकक बल पर लूटक वारदात के अंजाम दैत अछि।

    लूटक अहि वारदात मे पेट्रोल पम्प सं 85 हजार रुपैया हथियारक बल पर लूटल गेल छल। अहि मामला मे पेट्रोल पम्प मैनेजर अशोक कुमार अज्ञात आपराधिक विरुद्ध मामला दर्ज करने छलाह। थाना मे मामला दर्ज भेल मुदा एखन धरि अपराधी पुलिसक पकड़ सं बाहर अछि। समस्तीपुर जिलाक पटोरी स्थित अहि पेट्रोल पम्प पर लूटक ई चारिम वारदात भेल छल।