दमकल विभागक लापरवाही, बिना पानि के आगि मिझेबाक लेल पहुँचल गाड़ी

    0
    400

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड अन्तर्गत शुक्रदिन राति करीब 10 बजे पोहद्दी बेला गाम मे आगि लागि गेल। जाहि मे 3 गोट घर जरिकय नष्ट भय गेल। आगि कलीम के मवेसीक घर सं लागल आ हवा तेज हेबाक कारण फ़ैल गेल। आगि सं हजारोक संपत्ति जरिकय खाक भय गेल।

    सूत्रक अनुसार सब किछु एतेक जल्दी भेल जे घरक एकटा सामन नहि बचि सकल। आगि पर ग्रामीण द्वारा कहूना काबू करबाक कोशिश कायल गेल। बहुतो बेर फोन केलाक बादो दमकल विभागक गाड़ी समय पर नहि पहुँचल। बहुत प्रयासक बाद बिना पानिक आ ख़राब मशीन वला गाड़ीक संग दमकल कर्मी आयल।