प्रेम-प्रसंग मे युवकक हत्या कय लहास के लगेलक ठिकाना

    0
    313

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहारक वैशाली मे प्रेम-प्रसंग मे एकटा युवकक निर्मम हत्या कय देल गेल। घटना महुआ इलाकाक अछि। जानकारी के मुताबिक मृतक पिछला चारि दिन सं गायब छल। मृतकक लहास सुनसान इलाका मे बोन मे फेंकल भेटल, जकरा बाद स्थानीय लोक अहि बातक सूचना पुलिस के देलक। परिजनक कहब अछि जे, वीरचंद ठाकुर नामक युवक पिछला चारि दिन स लापता छल।

    घटनाक जानकारी भेटला पर मौका पर लोकक भारी भीड़ जुटि गेल। मौके पर पहुंचल पुलिस लहास के जब्द कय पोस्टमार्टमक लेल पठा देलक। पुलिस अहि मामलाक फिलहाल छानबीन करबा मे जुटल अछि आ हत्याक कारण के विषय मे किछु बाजय सं बचि रहल अछि।