दरभंगा मे मजदूरक लहास के संग भाकपा माले’क प्रदर्शन

    0
    447

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिजलीक तार सं भेल मजदूरक मौत के बाद दरभंगा मे मृतक मजदूर के लहासक लय भाकपा माले जननायक कर्पूरी ठाकुर चौक पर प्रदर्शन करैत सड़क जाम कय देलक। प्रदर्शनकारी आरोप लगा रहल छल जे, बिजली विभागक लापरवाही के कारण ई मौत भेल अछि।

    आंदोलनकारी पीड़ित परिवार के मुआवजा आ सरकारी नौकरीक मांग कय रहल छल। आंदोलनक नेतृत्व नगर सचिव सदीक भारती, प्रिन्स कुमार कर्ण, राजा पासवान आदि केलनि। ओतहि इंसाफ मंचक उपाध्यक्ष नेयाज अहमद कहलनि जे, नगर थाना प्रभारी न्यायक अवाज के दबा देबय चाहैत अछि। अहि के खिलाफ आंदोलन तेज कायल जायत।