मुजफ्फरपुर मे अपराधिक तांडव, लूटक पैघ घटना के देलक अंजाम

    0
    272

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार के मुजफ्फरपुर जिला मे सोमदिन फेर सं एक बेर पुलिसक सुस्त रवैया आ अपराधी के बढ़ैत अपराधिक मंसूबा देखबा आयल। मोटरसाइकिल सवार अपराधी मुज्ज़फरपुर के सतनाम पेट्रोल पंप के मैनेजर पर ताबड़तोड़ चाकु सं वार करैत मैनेजर के संग सं 5 लाख 70 हज़ार रुपैया लूटि लेलक।

    जानकारी के अनुसार उक्त पेट्रोल पंप के मैनेजर शहरक बैंक मे रुपैया जमा करेबाक लेल निकलल छल। मुदा रस्ता मे अपराधी मैनेजर के घेरकय चाकु सं हमला कय घायल कय देलक आ मैनेजर के संग सं 5 लाख 70 हज़ार टाका आ मोटरसाइकिल लूटि कय भागी गेल।

    फिलहाल मामला के जानकारी गायघाट पुलिस के देल गेल अछि, जतय मामला दर्ज कय पुलिस कार्रवाई मे जुटि गेल अछि। मैनेजर के घायल अवस्था मे स्थानीय सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।