समस्तीपुर मे भूमि विवादक दौरान चारि महिला समेत दस गोटे जख्मी

    0
    290

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: भूमि विवाद के लय दू पक्षक बीच जमिकय मारिपीट भेल, जाहि मे चारि गोट महिला समेत दस गोटे घायल भेल अछि। घटनाक सूचना पर पहुंचल स्थानीय पुलिस पदाधिकारी शाहजहां खान दूनू पक्ष सं घायल के इलाजक लेल अनुमंडलीय अस्पताल मे भर्ती करौलक अछि।

    बसढिया वार्ड नौ निवासी देवनरायण साह आ अनुपलाल साह के परिवारक बीच जमीनक लेल भेल विवाद चलि रहल अछि। लाठी आ डंडा सं भेल मारिपीट मे जख्मी अनूप लालक पुत्र विनय के अनुमंडलीय अस्पतालक चिकित्सक डॉ. डीके शर्मा बेहतर इलाजक लेल रेफर कय देलक अछि। घायल मे एकटा पक्ष सं अनुपलाल, विनय, विजय, अनुपलालक पत्नी सूर्यवती देवी, विजय साहक पत्नी नीलम देवी त दोसर पक्ष स तेज नरायण, मनोज कुमार, देवनारायणक पत्नी सोना देवी, तेजनारायणक पत्नी रीणा देवी तथा पप्पू साह जख्मी अछि।

    स्थानीय थानाध्यक्ष नरेश पासवान के अनुसार जे पक्ष दोषी होयत ओकरा खिलाफ सख्त कार्रवाई कायल जायत। अहि मामला मे जख्मी के कहब अछि जे, जाहि जमीन पर विवाद भेल अछि ओहि जमीनक मामला न्यायालय मे चलि रहल अछि। मुदा, रविदिन जमीन पर अप्पन-अप्पन कब्जा जमेबाक प्रयास मे मारिपीट भेल अछि। फिलहाल पुलिस अहि मामलाक जांच कय रहल अछि।