सांसद कीर्ति आजाद’क पत्नी हेती ‘आप’ मे शामिल: संजय सिंह

    0
    355

    दिल्ली, मिथिला मिरर: भाजपा सं निलंबित सांसद कीर्ति आजादक पत्नी 13 नवंबर क आम आदमी पार्टी मे शामिल होबय जा रहली अछि। अहि बातक पुष्टि आम आदमी पार्टी (आप) के राष्ट्रीय प्रवक्ता आ यूपी प्रभारी संजय सिंह केलनि अछि।

    पूनम भाजपा के दिल्ली इकाई के प्रवक्ता आ तीन बेर भाजपा’क राष्ट्रीय कार्यकारिणीक सदस्य के संग-संग दिल्ली बीजेपी के पूर्व उपाध्यक्ष सेहो रहि चुकल छथि।

    संजय सिंह कहलनि जे, पूनम 13 नवंबर क आधिकारिक तौर पर पार्टी मे शामिल भय जेती। पिछला काफी समय सं पूनम के आप पार्टी मे शामिल हेबाक चर्चा भय रहल छल।