हंगामेदार रहल पंचायत समिति’क बैसक

    0
    285

    अररिया, मिथिला मिरर: बुधदिन आयोजित पंचायत समितिक बैसक हंगामेदार रहल। जोकीहाट प्रखंड मुख्यालय स्थित आईटीसी भवन मे विकास कार्यक समीक्षाक लेल पंचायत समितिक बैसक हंगामेदार रहल। बैसक मे कृषि समन्वयक के मनमानी, प्राथमिक शिक्षा मे पठन-पाठन व एमडीएम मे गड़बड़ी, आपदाक राशि मे अनियमितता तथा आंगनबाड़ी केंद्रक बदहालीक मुद्दा छायल रहल।

    सीडीपीओ अंजना जोकीहाट स अधिकांश अनुपस्थित रहबाक लेल पंसस आक्रोश जतबैत हिनकर तबादलाक मांग केलनि। पंचायत समिति सदस्य तालिब अहसन कहलनि जे, आपदाक लाभुक के बैंक एकाउंट मे जानिबूझि कय गलत करबाक, ओतहि बलित झा एनपीएस बैरगाछी केसर्रा के अप्पन जमीन व भवन बनेबाक अविलंब मांग केलक अछि।

    पंसस कहलनि जे, अधिकांश पंचायत मे आपदा वितरण मे मुखियाक मनमानी चलैत अछि। ताहि लेल अहि मुद्दा के उच्चस्तरीय जांच हेबाक चाही। बैसक मे उपप्रमुख मसकुरा खातून कहलनि जे, दलालक माध्यम सं दाखिल खारिजक खेल चलि रहल छी।