छह वर्षीय छात्राक संदिग्ध अवस्था मे मौत, सड़क जाम

    0
    393

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: कस्तूरबा आवासीय विद्यालय मे वर्ग छह के छात्राक संदिग्ध अवस्था मे मौत भय गेल। जानकारीक अनुसार छात्रा बजबा मे असमर्थ छल। छात्राक मौतक जानकारी के बाद परिजन स्कूल प्रबंधन पर लापरवाहीक आरोप लगबैत हंगामा केलक। छात्राक परिजन के आरोप अछि जे, रविदिन भोर मे स्कूल स सूचना भेटल जे, कृष्णाक मोन खराब अछि। जहन परिजन हॉस्टल पहुंचल त बच्चाक मौत भय चुकल छल।

    होस्टलक वार्डन के अनुसार शनिदिन साँझ मे एक दू बेर उलटी भेल छल। जकरा बाद बच्चा के अनुमंडलीय अस्पताल मे इलाज कराओल गेल छल। इलाज हेबाक बाद वापस हॉस्टल आनल गेल त अगिला दिन बच्चाक मौत भय चुकल छल।

    एम्हर परिजनक आरोप अछि जे, यदि कृष्णाक स्थिति अधिक खराब छल त हॉस्पिटल मे एडमिट रखबाक बजाय वापस कियैक आनल गेल। काफी देर तक हंगामा के बाद एसडीओ आ डीएसपी हॉस्टल पहुंची कय स्कूल प्रबंधनक खिलाफ मामला दर्ज कय छात्राक लहास पोस्टमार्टमक लेल पठौलक।